#MNN@24X7 आश्विन मासक देवीपक्षसँ बनि रहल भक्ति मय वातावरण, एखनधरि मिथिलामे बनले अछि। एही कड़ीक अन्तर्गत अगिला शनिदिन अर्थात् 15/10/2022 सँ 24-10-2022 धरि मधुबनी जिलाक रैयाम पश्चिमी (कोठिया-रैयाम) पुरना पोखरि बजरंगबली स्थान लग, भव्य नवाह नाम संकीर्तनक शुभारंभ होमय जा रहल अछि।
वीर पवनसुत जय हनुमान गौरी शंकर सीताराम।
अंग्रेजी भाषाक सेवानिवृत्त प्रधान प्रवक्ता रुद्र कान्त झा द्वारा आरंभ कएल जा रहल ई आयोजन अनवरत चलत।
एहि बेर एहि नवाहक संचालन हेतु अमित झा अपन पूरा मण्डलीक संग आबि रहल छथि। एहि बातकेँ ल’ क’ ग्रामीण लोकनि बेस उत्साहित छथि।