#MNN@24X7 दरभंगा, 3 सितंबर के मैथिली साहित्य परिषद दरभंगा के प्रांङण मे मिथिला लेखक मंच के तत्वावधान में प्रो ललितेश मिश्र के रचना संसार विषय पर चर्चा क संग निधन पर सेहो चर्चा भेल। एहि कार्यक्रम कए अध्यक्षता श्रीमान वैद्यनाथ विमल कएलन्हि आऽ अध्यक्षता संग संचालन श्री चन्द्रेश केलैथ।

एहि अवसर पर प्रोफेसर उदय शंकर मिश्रा कहलनि जे ललितेश बाबू एहेन रचनाकार केर रचना संसार मैथिली साहित्यऽक लेल अन्यत्म अछि।

ओतहि डा योगानंद झा कहलनि जे ललितेश बाबू के कथाकार निबंधकार आ मैथिली साहित्य केऽ समालोचना क्षेत्र में अपूर्व योगदान अछि।

एहि अवसर पर डा टूनटून झा कहलनि जे हुनकर रचना संसार के एकत्रित कैल जेबाक चाही।ओतहि डा राजकिशोर चौधरी सेहो ललितेश बाबू केऽ समालोचना साहित्य के जोडगर प्रशंसा कएलन्हि।

एहि अवसर पर अध्यक्षीय भाषण में वैद्यनाथ विमल ने कहलनि जे मैथिली साहित्यकार सब जखन महाकवि विद्यापति के राखल पाण्डूलिपी के नहि बचा सकला तखन ललितेश बाबू के केना सम्मान कऽ पायब।

एहि अवसर पर नारयणजी चौधरी, सुभाष झा, आशुतोष कुमार झा उपस्थित छलाह। एहि अवसर पर दू मिनटऽक लेल मौन राखि केऽ श्रद्धांजलि अर्पित केलैथ।