#MNN@24X7 दरभंगा, रवि दिन बेरु पहर तीन बजे सँ बाबूजीक लाइब्रेरीमे सुनीता झा क आत्मकथा जिनगीक पेटारीक विमर्श गोष्ठीक आयोजन भेल। कार्यक्रमक उद्घाटन भीमनाथ झा दीप प्रज्वलित कय प्रारंभ केलनि। जय जय भैरबीक गान डॉ सुषमा झा क स्वर सँ भेल। सुषमा मंच संचालन सेहो केलनि।

अतिथि लोकनिक स्वागत स्वयं सुनीता झा केलनि। सभाक अध्यक्षता बैद्यनाथ झा बैजू केलनि। मुख्य वक्ता लोकनिमे सर्वश्री डॉ अशोक कुमार मेहता, उषा चौधरी आ डॉ सुरेश पासवान रहथि। अन्यान्य वका लोकनि मे सर्वश्री डॉ योगानन्द् झा एवं लाइब्रेरीक संस्थापक राजेश कुमार सिंह ठाकुर छलथि। लक्ष्मी सिंह ठाकुर कविताक पाठ केलनि जे संपूर्णतः सुनीता झाजीक संघर्ष पर समर्पित छल।

सभामे उपस्थित विद्वान लोकनिमे वैद्य गणपति नाथ झा, मोती मिश्रा, कात्यायनी देवी, पत्रकार कृष्ण कुमार एवं आशुतोष कुमार झा छलाह। धन्यवाद ज्ञापन हीरेन्द्र कुमार झा द्वारा देल गेल।