कोनो देश वा समाजऽक विकास मे ओहि ठाम रहनिहार मजदूर सबहक बेस योगदान रहैत छन्हि, किया की गाम वा देशऽ क निर्माण के नीव यैह मजदूर राखैत छथि।हिनकर कोनो निर्धारित वेशभूषा वा आदति नहि।
कियो ठीके कहने छथि जे “दुनू मजदूर चललन्हि, लड़ जिनगी के जंग। एक कान्ह गमछा, दोसर लैपटॉप के संग।’ ई बात सत अछि जे हर ओ इंसान जे अपन वा परिवारऽक पेट पालबाक लेल काज करैत छथि ओ सब मजदूर छथि। फेर चाहे हुनकर कान्हा पर कोदारि आ ओ खाली पैर चलैथ वा लैपटॉप के संग मोटर कार सं। हिनके सभ एहेन श्रमजीवी व्यक्ति सभ कें सम्मान देबाक वास्ते हरेक साल 1 मई के श्रमिक दिवस (Labour day ) मनाओल जाइत अछि ह। जकरा लेबर डे वा मई डे के नाम सं सेहो जानल जाइत अछि।
एहि दिनऽक महत्व नहि केवल मजदूर’क सम्मान सं जुड़ल अछि बल्कि हुनकर अधिकार सबहक प्रति आवाज बुलंद करब सेहो अछि। जाहि स कि हुनका समान अधिकार भेट सकैन।
श्रम दिवस या श्रमिक दिवस (labour) के दुनिया भरि में नहि केवल अलग अलग नामे टा सं, बल्कि अलग अलग दिन सेहो मनाओल जाइत अछि। ओना अंतरराष्ट्रीय श्रम दिवस (International Labour day) के लेल एक मई केर दिन निर्धारित कैल गेल अछि। ई दिवस के मनेबाक उद्देश्य जेना कि अपना सभ पहिने चर्चा केने रहौं जे लोक सभकेँ श्रमिकों (Labours) आ हुनकर समस्या सबहक प्रति जागरूक करब रहैत अछि।
एहि दिन के मनेबाक शुरुआत एक मई सं भेल छल। एहि दिन अमेरिका के हजारो हजार मजदूर सब अपन काजऽक स्थिति सब बेहतर करबाक लेल हड़ताल प्रारंभ केने छलाह। ओ सब चाहैत छलाह जे हुनकर काज करबाक समय एक दिन में पन्द्रह घंटा सं घटाऽ के 8 घंटा कऽ देल जाय। अपन मांगों के मनेबाक लेल हुनका सभ के बेस संघर्ष कर पड़लन्हि मुदा अंततः हुनका सभ के सफलता भेटलन्हि आ तखन सं ई दिन मजदूर सबहक लेल एकटा प्रतीक दिन बनैत चलि गेल।
भारत में सेहो मजूदर दिवस एक मई के अलग अलग नाम सं मनाओल जाइत अछि.अप्पन देश में सबसं पहिने मजदूर दिवस चेन्नई में मनाओल गेल छल। एकर बाद सं देशऽक कई एकटा मजदूर संगठन मई दिवस के अपनेलक आ आजुक दिन देश में श्रमिक दिवस मनाओल जाइत अछि।
ओना देखल जाय तऽ संगठित मजदूर सबहक सभसँ पैघ आबादी एखनो धरि शहरे में रहैत अछि। मुदा आब शहर सभ मे सेहो मई दिवस के कोनो खास हलचल नही देखबा मे नहि अबैत अछि।कतहु मजदूर दिवस के कोनो आयोजन वा सम्मान देबाक गप्प नहि।आब सब ठाम मजदूर सबहक भलाई करबाक बदला नेता सब हिंदू-मुसलमान खेलबाक में लागल छथि.आब त पूरा दुनियें में मजदूर दिवस एकटा खानापूर्ति बनि के रहि गेल अछि.