दोसर राष्ट्रीय लोक अदालत के तैयारी चलि रहल अछि एहि क्रम में बुधदिन जिला विधिक सेवा प्राधिकार के सचिव आ अपर न्यायाधीश जावेद आलम केऽ कार्यालय कक्ष में अपर मुख्य न्यायाधीश आ न्याय प्रक्रिया के पदाधिकार के संग अगिला 14 मई को हुअ बला साल के दोसर राष्ट्रीय लोक अदालत के सफल बनेबा’क लऽके बैसार कैल गेल।
ओतहि ओ कहलन्हि जे राष्ट्रीय लोक अदालत के माध्यम सं दुनू पक्ष कें मामला कऽ आपसी सुलह समझौता सं राष्ट्रीय लोक अदालत केऽ अवसर पर ग्रामीण कचहरी या थाना सबहक के द्वारा छोट मोट मामला सभकेँ तऽ लोक सबहक बीच आपसी सुलह करा के मामला कें खत्म कराओल जाइत अछि। राष्ट्रीय लोक अदालत एकहि दिन एकहि समय मे पूरा देश में एक संग आयोजित होइत अछि। जे दूरदराज के ग्रामीण क्षेत्र सबहक लोक होइत छथि ओ अपन आस्था नियत थाना आ ग्राम कचहरी केर माध्यम सं मामला के निष्पादन करा सकैत छथि। राष्ट्रीय लोक अदालत केर माध्यम सं अदालत सभमें लंबित केस सबहक संख्या के कम कैल जाइत अछि। बेनीपुर पहुंच के ओतय के लाग बला राष्ट्रीय लोक अदालत के लऽके ओतुक्का थाना सबहक एसएचओ के संग बैसार होयत जतय हुनका राष्ट्रीय लोक अदालत केर माध्यम सं कोन तरहें केस’क निष्पादन भ रहल अछि एकर बारे में जानकारी देल जायत।