Breaking News

दरभंगा। राजकीय महारानी रमेश्वरी भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान,मोहनपुर, दरभंगा कऽ द्वारा डी.ए.वी. पब्लिक स्कूल, मोहनपुर सराय, दरभंगा परिसर में आजादी कऽ अमृत महोत्सव कार्यक्रम के अंतर्गत पोषण आ आयुर्वेद के स्वास्थ्य संबंधी सिद्धांत सब के छात्र सबहक बीच रखबाक हेतु कार्यक्रम केर आयोजन कैल गेल। कार्यक्रम के विधिवत उद्घाटन राजकीय महारानी रमेश्वरी भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान के प्राचार्य प्रो. दिनेश्वर प्रसाद आ डी.ए.वी. पब्लिक स्कूल, मोहनपुर दरभंगा के प्राचार्या श्रीमती सबिता , वरिष्ठ शिक्षिका श्रीमती नूतन, डॉ मुकेश कुमार आ डॉ दिनेश कुमार के द्वारा वैदिक मंत्र सबहक उच्चारण के संग दीप प्रज्वलन कऽके कैल गेल।

एहि मौके पर प्राचार्य प्रो. दिनेश्वर प्रसाद छात्र सबहक बीच जीवन संरक्षक आ आयु वर्धक आयुर्वेदऽक सिद्धांत सब कें सहजता के संग रखलनि, ओ बतेलथि जे प्राकृतिक जीवन शैली के अपनेला क बादे नमहर आ स्वस्थ जीवन को प्राप्त कैल जा सकैत अछि। ब्रह्म मुहूर्त में जागरण पर बल दैत प्रोफेसर प्रसाद बतेलथि जे ई प्रकृति केर अमृतवेला होइत अछि, जाहिमे प्रकृति विशुद्ध रूप सं पंचामृत के पान करा रहल होईत छैथ। जे छात्र एहि मुहूर्त में उठि के अध्ययन करैत छथि, हुनकर मेधा आ शारीरिक शक्ति के सर्वांगीण विकास होइत अछि।
डॉ मुकेश कुमार के द्वारा पावर पॉइंट प्रेजेंटेशन के माध्यम सं पोषण केर महत्व केऽ बारे में छात्र सब के बताओल गेल। ओ संतुलित आहार के संगहि संग प्राकृतिक आहार के बारे में छात्र लोकनि के बतेलथि। जेहने खाए अन्न ओहने होयत मन पर जोर दैत कहलन्हि जे वर्तमान समय में छात्र सबहक द्वारा जंक फूड आदि के सेवन तेजी सं कैल जा रहल अछि जे कि स्वास्थ्य के दृष्टिकोण सं सही नहि अछि।

डॉ दिनेश कुमार आयुर्वेद के विश्व’कऽ प्राचीनतम चिकित्सा पद्धति बुझबैत कहलन्हि जे आयुर्वेदऽक सिद्धांत सभकेँ जे अपन जीवन में जतबे उतारैत छथि, ओकर जीवन उत्तरोत्तर आरोग्यमय होईत चलि जाईत अछि। आयुर्वेद विश्व के एकमात्र चिकित्सा पद्धति अछि, जे स्वस्थ मनुष्य केर स्वास्थ्यऽक रक्षा के बात करैत अछि। ओ कहलनि जे भारत देशऽक धरती पल्लवित आ पुष्पित भेल,आयुर्वेद दुनिया के सर्वप्रथम प्लास्टिक सर्जरी केनाय सिखौने अछि। प्लास्टिक सर्जरी के जनक महर्षि सुश्रुत के कहल जाइत छन्हि। रोग प्रतिरोधक क्षमता के विकसित करबाक हेतु आयुर्वेदिक दिनचर्या के संगहि -संग गिलोय,तुलसी,काली मिर्च के काढ़ा पीबा के कहैत पूरा दुनिया में गोल्डन मिल्क के नाम सं प्रसिद्ध हल्दी दूध पीबा के सलाह डॉ दिनेश कुमार के द्वारा देल गेल।

वरिष्ठ शिक्षिका श्रीमती नूतन ई कहलन्हि जे की आयुर्वेद एकटा सम्पूर्ण जीवन विज्ञान अछि। डी.ए.वी पब्लिक स्कूल के प्राचार्या श्रीमती सबिता ई बतौलनि जे आयुर्वेदऽक सिद्धांत सभ के अपना केऽ अपना सब अपन जीवन के आरोग्यमय बना सकैत छी। आजादी के अमृत महोत्सव कार्यक्रम केर सराहना करैत ओ प्राचार्य प्रो. दिनेश्वर प्रसाद के पूरा-पूरा प्रशंसा करैत कहलनि जे हम प्राचार्य के आभारी छियन्हि जे स्वयं हमर विद्यालय के परिसर में आबि कऽ जीवन दायक आयुर्वेद के सिद्धांत सभकेँ हमर शिक्षक आ छात्र सबहक मध्य में रखलनि। एहि कार्यक्रम सं ढाई सौ बच्चा सभकेँ स्वास्थ संबंधी आयुर्वेद के सिद्धांत सबहक बारे में सहजता सं जानकारी प्राप्त भेल अछि।