आयुक्त केलैथ रोगी कल्याण समिति केर बैसार।
दरभंगा, 18 अप्रैल 2022 :- राजकीय रमेश्वरी भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान, मोहनपुर, दरभंगा में आयुक्त, दरभंगा प्रमण्डल, दरभंगा डॉ. मनीष कुमार केर अध्यक्षता मे रोगी कल्याण समिति’के गठन केर प्रस्ताव पारित कैल गेल, जाहिमे दरभंगा नगर निगम के महापौर मुन्नी देवी, प्राचार्य/अधीक्षक राजकीय रामेश्वरी भारतीय चिकित्सा विज्ञान संस्थान, दरभंगा प्रो. दिनेश्वर प्रसाद, डॉ. राजेश्वर दुबे, डॉ. मनीष कुमार आलोक, डॉ. विजेंद्र कुमार, सिविल सर्जन डॉ. अनिल कुमार, जिला देशी चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. अनिल श्रीवास्तव, संयोजक, दरभंगा जिला विश्व आयुर्वेद परिषद डॉ.गणपति नाथ झा, सचिव, उत्तर बिहार आरोग्य भारती ,दरभंगा डॉ. शैलेंद्र लाल दास कऽ संगहि-संग विशेष रूप सं आमंत्रित सदस्य,नगर आयुक्त, दरभंगा नगर निगम अखिलेश प्रसाद सिंह, प्राचार्य ,दरभंगा मेडिकल कॉलेज एवं अस्पताल दरभंगा डॉ के.एन. मिश्रा, अभियंता सागर जयसवाल, उप महाप्रबंधक बी.एम.एस.आई.सी.एल, पटना सब उपस्थित छलाह।
आयुक्त महोदय केर अध्यक्षता मे सर्व समिति कऽ द्वारा ई निर्णय लेल गेल जे रोगी सबहक विधिवत पंजीकरण पंजीकरण शुल्क 05 रुपये के संग कराओल जाए आ 15 दिन’क अंदर कोनो स्थिति में रजिस्ट्रेशन कराओल जाए। एकरा संगहि भारतीय स्टेट बैंक में एकर नाम सं एकटा खाता खोलाओल जाए, एहि काजक लेल डॉ. विजेंद्र कुमार के प्राधिकृत कैल गेलन्हि।
बैसार में एक्स-रे मशीन, अल्ट्रासाउंड मशीन आ एंबुलेंस के तत्काल उपलब्ध करेबाक निर्णय लेल गेल। एकरा संगहि संग सर्वे ऑफिस के खाली करेबाक निर्देश सेहो देल गेल।
बैसार में उपस्थित बी.एम.एस.आई.सी.एल. कऽ पदाधिकारी के जीर्ण अवस्था में पड़ल भवन सबहक तत्काल जीर्णोद्धार करबाक लेल निर्देश देल गेल।
बैसार में महाविद्यालय के मोहनपुर में स्थित मुख्य परिसर के कैंपस-1 आ कामेश्वरनगर आयुर्वेदिक अस्पताल के कैंपस-2 के रूप मे नामकरण करबाक निर्णय लेल गेल।
आयुक्त महोदय हर संभव कोनो प्रकार’क बाधा उपस्थित हेबा पर मुख्य अपर सचिव सं वार्ता करबाक आश्वासन देलन्हि, आवश्यकता पड़ला पर आयुष मंत्रालय भारत सरकार सं सेहो बातचीत करबाक बात कहलन्हि।
बैसार में एहि संस्थान के अखिल भारतीय आयुर्वेद विज्ञान संस्थान के रूप मे विकसित करबाक हेतु सुझाव देलन्हि।जाहि सं आयुर्वेद के क्षेत्र में शोध कार्य आ उच्च शिक्षा के बढ़ावा भेट सकै।