दरभंगा, 18 अप्रैल 2022 :- दरभंगा जिला विधिक सेवा प्राधिकार के सचिव-सह-अपर जिला आ सत्र न्यायाधीश जावेद आलम सोमदिन हायाघाट प्रखण्ड के शिवाई सिंहपुर गाम पहुँच’कऽ एसिड अटैक पीड़ित के परिजन सब’सं भेंट’ कऽ हुनकर हाल बुझलैन आ मामला के जानकारी लेलन्हि।
श्री आलम घटना के स्वतः संज्ञान लैत दरभंगा चिकित्सा महाविद्यालय अस्पताल केर अधीक्षक आ संबंधित थानाध्यक्ष के आवश्यक निर्देश देलन्हि।
ओ एसिड हमला सं पीड़ित सब केँ चिकित्सा, जलन प्रतिशत आदि के संबंध में अविलंब जिला विधिक सेवा प्राधिकार दरभंगा के रिपोर्ट प्रस्तुत करबाक निर्देश देलथि, जाहि सं की हुनका बिहार पीड़ित प्रतिकर स्कीम के तहत राहत भेट सकैन्ह।
जनतब रहै जे विगत दिन हायाघाट प्रखण्ड के शिवाई सिंहपुर गाम में जमीनी विवाद कऽ ल’केऽ भेल दू पक्ष’क बीच मारि पीट में एक पक्ष के द्वारा दैसर पक्ष पर तेजाब फेंक देल गेल छल, जाहिसँ परिवार’क कई-एक लोक सब जख्मी भऽ गेल छलाह।
19 Apr 2022
