दरभंगा। 2 जनवरी तक दरभंगा शहर के सबटा पार्क रहत बंद। ओमी क्रोन वायरस के खतरा क देखैत बिहार सरकार दिस सं आदेश आयल अछि जे सबटा पार्क के बंद रखबाक अछि। एकरा ल’के ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के जतेक गार्ड छथि सब सतर्क रहताह आ विश्व विद्यालय अंतर्गत सबटा गेट के बंद रखताह जाहिसँ की कोनो व्यक्ति भीतर प्रवेश नहि क सकैथ।