14 दिसम्बर कें कराओल जायत पुनर्मतदान

दरभंगा, 13 दिसम्बर – 12 दिसम्बर 2021 के एकादश चरण में कराओल गेल मतदान में मतदान केन्द्र संख्या- 151 आ 152 पर पुनर्मतदान करेबाक प्रस्ताव पर राज्य निर्वाचन आयोग, बिहार द्वारा सहमति प्रदान करैत ग्राम पंचायत मुखिया, पंचायत समिति सदस्य, ग्राम पंचायत सदस्य आ जिला परिषद सदस्य पद के लेल 14 दिसम्बर कें कुशेश्वरस्थान’क मतदान केन्द्र संख्या – 151 उत्क्रमित मध्य विद्यालय, चिगड़ी, भाग – 01 आ 152 उत्क्रमित मध्य विद्यालय, चिगड़ी, भाग – 02 पर पूर्वाह्न 07:00 बजे सं अपराह्न 03:00 बजे तक पुनर्मतदान कराओल जायत आ मत सब के गिनती सेहो 14 दिसम्बर कें बाजार समिति, शिवधारा, दरभंगा में होयत। एकरा लेल जिला प्रशासन द्वारा पूरा तैयारी क’ लेल गेल अछि।