टीका लेबा के 28 वें दिन दोसर डोज आ 56 वां दिन बूस्टर डोज देल जायत।

मधुबनी/5 दिसंबर। कोरोना वायरस महामारी के खिलाफ जिला में जोर शोर सं टीका अभियान चलाओल जा रहल अछि एहि क्रम में जिला में एखन धरि कोविशिल्ड,कोवैक्सीन के टीका लगाओल जा रहल छल मुदा आब जिला में टीका सं एखन धरि वंचित लोक सबहक लेल टीका के तीसरे विकल्प’क रूप में जायकोव-डी के सेहो टीका लगाओल जायत। शुरुआती दौर में मधुबनी सहित बिहार के 5 टा जिला में इस्तेमाल कैल जायत। ई एकटा सुई रहित टीका अछि। जकर तीन टा खुराक लगाओल जायत। पैघ संख्या में जे पात्र लोक सबकें एखन धरि टीका के पहिलो खुराक नहि भेटलनि। ओहेन लोक सबकें जायकोव-डी सेहो देल जायत। एखन एहि टीका के खुराक केवल वयस्के लोककेँ देबाक फैसला कएलन्हि। बिहार में ई वैक्सीन भागलपुर, जमुई, मधुबनी, मुजफ्फरपुर आ पटना जिला में उपलब्ध होयत। मधुबनी जिले के 1,78,261 टीका के डोज जिला के उपलब्ध कराओल जायत। जनतब रहै जे जिला में 32 लाख 93 हजार 234 लोक सबकें टीका सं आच्छादित करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। जाहिमे एखन धरि 21 लाख 80 हजार 387 लोक सबकें टीकाकृत कैल गेल अछि। ओतहि 8,91,305 लोग टीका के दोसर वजह से वंचित छथि ।

वैक्सीन केर तीनटा खुराक अछि लेबाक :

सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा कहलनि जे जायकोव-डी के हर डोज के बीच कम से कम 28 दिन के अंतराल रहत। यानी पहिल डोज लेबा के 28वें दिन दूसरा डोज आ 56 वें दिन तेसर डोज(बूस्टर) डोज लेबाक अछि। ई पहिल ऐहन टीका अछि जाहिमे तीन डोज लेबाक अछि। एहि हिसाब सं भले एकर 3 डोज हो मुदा एकर कोर्स कोविशील्ड सं पहिले पूरा भ जायत। दू डोज बला कोविशील्ड के दुनू डोज के बीच’क अंतराल 84 दिन’ क अछि।

सूई सं नहि लगाओल जायत वैक्सीन:

एहि वैक्सीन के बारे में एकटा और खास बात अछि। ई सूई सं नहि लगाओल जायत। एकरा एकटा खास डिवाइस (इंजेक्टर) के माध्यमे लगाओल जायत। एहि मेथड सं वैक्सीन लगला के कारणे दर्द नहि होयत। कोवैक्सीन के बाद ई दोसर वैक्सीन अछि जे पूरा तरहें देश में तैयार भेल अछि . टीका के लेल वैक्सीनेटर सब के प्रशिक्षण कैल जायत।