Breaking News

दरभंगा, 17 नवम्बर – चाइल्ड लाइन सं दोस्ती सप्ताह’क अन्तर्गत चारिम दिन (17 नवम्बर) एकमी घाट, लहेरियासराय सं चाइल्ड लाइन (1098) जागरूकता रथ के दरभंगा’क माननीय सांसद गोपाल जी ठाकुर आ माननीय नगर विधायक संजय सरावगी द्वारा झंडी देखा क’ विदा कैल गेल।

जागरूकता रथ के चंडी, ओझोल, सैदनगर, बलभद्रपुर, बेंता, आयकर चौराहा, मौलागंज ई सब जगह पर घूमैत आ हैंड बिल वितरण करैत दिल्ली मोड़ स्थित बस स्टैंड में सिग्नेचर कंपैन में परिवर्तित क’ देल गेल।
हस्ताक्षर अभियान में जिला समन्वयक रविन्द्र कुमार द्वारा बच्चा सबहक अधिकार पर चर्चा कैल गेल आ कहल गेल जे बाल विवाह करबा’ब आ एहि मे उपस्थित लोग सबकेँ लेल कानून में दू वर्ष’क सजा के संगहि संग एक लाख रुपये तक के जुर्माना’क प्रावधान कैल गेल अछि। केन्द्र समन्वयक अराधना कुमारी आ बाल श्रम पर चर्चा करैत कहल गेल जे बाल श्रम के लेल कानून में दू साल’क कैद के संगहि संग पचास हजार रुपये तक के दंड’क प्रावधान कैल गेल अछि। कार्यक्रम में चाइल्डलाइन’क परामर्शी सच्चिदानंद झा, टीम सदस्य पंकज कुमार चौधरी, शिव प्रसाद,राकेश कुमार, अमरेश कुमार झा आ शिवगंगा देवी संगहि बहतो लोक शामिल भेलैथ।