दरभंगा,14 नवम्बर के बाल गृह आ पर्यवेक्षण गृह, दरभंगा में दिनांक 14 नवम्बर सं 20 नवम्बर 2021 तक चल बला बाल अधिकार संरक्षण सप्ताह के तहत आयोजित बाल दरबार कार्यक्रम केर उद्घाटन दीप प्रज्वलित क’ उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया, सहायक निदेशक, जिला बाल संरक्षण इकाई, दरभंगा नेहा नुपूर, जिला विधिक सेवा प्राधिकार के सचिव मोहम्मद जावेद आलम आ सहायक समाहर्ता अभिषेक पलासिया द्वारा कैल गेल।


कार्यक्रम के संबोधित करैत उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया कहलनि जे अपना सबकें चाचा नेहरू आ देश’क आन-आन महान व्यक्ति सब सं प्रेरणा ल’ देश’क उज्जवल भविष्य बनेनाइ अछि।ओतहि जिला विधिक सेवा प्राधिकार के सचिव मो. जावेद आलम बच्चा लोकनि कें सत्य आ अहिंसा केर रास्ता अपनेबाक आ देश’क एकता आ अखंडता में अपन भागीदारी सुनिश्चित करबाक प्रेरणा देलन्हि।
एहि अवसर पर बच्चा लोकनि’क द्वारा विविध प्रस्तुति सब कैल गेल,जाहिमे स्वागत गान, नृत्य, गायन, कविता पाठ आ बच्चा लोकनि खुलि के कोविड-19 के मध्य भेल अपन अनुभव सबकेँ व्यक्त कएलन्हि।

कार्यक्रम के अध्यक्षता करैत सहायक निदेशक नेहा नूपुर आगत अतिथि लोकनि कें धन्यवाद दैत कहलन्हि जे दिनांक 16 नवम्बर के 05 बच्चा सबहक समूह जिला पदाधिकारी सबहक संग संवाद करताह आ अपन मांग सब आ सुझाव देताह।
ओ कहलन्हि जे 07 दिन तक चल बला एहि कार्यक्रम में भिन्न भिन्न प्रकार’क प्रतियोगिता सब जेना कि – पेंटिंग, खेलकूद, गायन, वादन, फिल्म, बाल फिल्म, प्रदर्शन, नुक्कड़ नाटक, आ कठ-पुतली नृत्य आयोजित कएल जाएत। एकर संगहि हुनकर इच्छा सब आ सुझाव सबहक अनुरूप बाल गतिविधि सब सेहो कैल जायत।
इकर अलावा बाल गृह आ सामुदायिक स्तर पर एक-एक बालक के चयन क’ 20 नवम्बर के पटना में हुअ बला राज्य स्तरीय बाल दरबार कार्यक्रम में भाग लेब हेतु पठाओल जाएत, जत बच्चा लोकनिक द्वारा माननीय समाज कल्याण मंत्री आ आन-आन विभागीय अधिकारी सबहक समक्ष कोविड-19 के मध्य भेल अपन अनुभव सब आ सुझाव सबकेँ साझी करताह। सामुदायिक स्तर पर बालक के चयन “सेव द चिल्ड्रेन” द्वारा कैल जाएत।
एहि मौका पर बाल संरक्षण पदाधिकारी पंकज कुमार सिन्हा, अधीक्षक पर्यवेक्षण गृह शशिकांत सिंह अधीक्षक बाल गृह दीपक सिंह आ आन-आन गणमान्य अतिथि उपस्थित छलाह।