दरभंगा, 31 दिसम्बर:- दरभंगा जिला के सबटा ग्राम पंचायत सब में 28 सं 30 दिसंबर तक मनरेगा केर अंतर्गत रोजगार दिवस’क आयोजन कैल गेल।जाहिमे सामान्य ग्रामीण जन आ जॉबकार्ड धारक मजदूर सबकेँ मनरेगा क’भिन्न भिन्न प्रावधान सब, रोजगार प्राप्त करबाक प्रक्रिया आ एकर अंतर्गत कैल जा रहल काज सबहक जानकारी देल गेल।
कार्यक्रम क’ मध्य इच्छुक लोक सबसं नबका जॉब कार्ड आ रोजगार के लेल आवेदन सेहो लेल गेल आ हुनका जॉब कार्ड उपलब्ध सेहो उप्लब्ध कराओल गेल, रोजगार दिवस के अवसर पर कुल 952 टा नबका जॉब कार्ड निर्गत कैल गेल। व्यक्तिगत लाभ के योजना सब आ पशु शेड, खेत-पोखर, वृक्षारोपण आदि सबहक लेल 485 टा आवेदन प्राप्त भेल जाहि पर नियमानुसार कार्रवाई कैल जा रहल अछि।