बिहार नगर विकास विभाग क पैघ कार्रवाई, दरभंगा नगर निगम के महापौर, उपमहापौर आ स्थायी समिति के सदस्य 7 पार्षद पदमुक्त, 27 लाख क’ शौचालय आवंटन घोटाले केर आरोप।

दरभंगा। बिहार सरकार’क नगर विकास विभाग, दरभंगा नगर निगम की महापौर बैजयंती देवी खेड़िया, उपमहापौर बदरुज्ज्मा खान आ सशक्त स्थायी समिति के सदस्य 7 पार्षद गण कें पदमुक्त क देल गेल। हिनका सब पर 27 लाख रुपया केर शौचालय आवंटन घोटाले के आरोप अछि। बिहार में कोनो नगर निगम केर जन प्रतिनिधि सब पर ई पहिल बड़ी कार्रवाई अछि। नगर विकास विभाग’क ई आदेश पत्र बुधदिन दरभंगा नगर निगम के आयुक्त मनेश कुमार मीणा के भेट गेलन्हि। एहि मामिला के शिकायत वार्ड पार्षद मधुबाला सिन्हा आ पूर्व पार्षद प्रदीप गुप्ता समेत कई एकटा लोक सब दरभंगा के प्रमंडलीय आयुक्त सं 25 जुलाई 2018 के कएने छलाह। प्रमंडलीय आयुक्त’क जांच रिपोर्ट के बाद नगर विकास विभाग ई कार्रवाई केलक। नगर आयुक्त कहलन्हि जे आब ई सबटा पद खाली भ’ गेल अछि। राज्य निर्वाचन आयोग’क आदेश के बाद आगू क’ कार्रवाई कैल जायत।
एहि मामिला के शिकायतकर्ता आ दरभंगा नगर निगम के पूर्व पार्षद प्रदीप गुप्ता कहलन्हि जे ओ सब 25 जुलाई 2018 के शौचालय आवंटन घोटाले के संबंध में दरभंगा के प्रमंडलीय आयुक्त के लिखित शिकायत देने छलाह। ओ कहलनि शौचालय आवंटन के लिए 66 लाख रुपए की राशि तय कैल गेल छल जाहिमे सं 27 लाख रुपया नगर निगम के दिस सं गैर कानूनी ढंग सं छूट द देल गेल छल।ओ कहलनि जे ई एकटा पैघ घोटाला छल जिकर शिकायत के बाद जांच भेल आ नगर विकास विभाग महापौर, उपमहापौर आ सशक्त स्थायी समिति के 7टा सदस्य पार्षद सबकें दोषी पाबैत ओ हुनका पद सं मुक्त क’ देलन्हि। ओ कहलनि जे ई भ्रष्टाचारी सबहक लेल एकटा सीख अछि जे ओ कतबो रसूख रखनाहर लोक होईथ, मुदा दोषी पाओल गेला पर बचि नहि सकैत अछि।

ओतहि , दरभंगा नगर निगम के आयुक्त मनेश कुमार मीणा कहलन्हि जे नगर विकास विभाग शौचालय आवंटन’क मामला में अनियमितता के लेल महापौर, उपमहापौर समेत सशक्त स्थायी समिति के 7टा पार्षद सब के दोषी पाओल गेल आ हिनका पद मुक्त क’ देल गेल। ओ कहलनि जे एहि सं संबंधित चिट्ठी नगर निगम के भेट गेल अछि आ आई सं ई सबटा पद खाली भ गेल अछि। ओ कहलनि जे आब राज्य निर्वाचन आयोग सं जे आदेश भेटत ओकरे अंतर्गत एहि पद सबकेँ भरबाक लेल आगू के कार्रवाई कैल जायत।
दरभंगा सं,,,पत्रकार,,,राजू सिंह के रिपोर्ट ।