दरभंगा ।लहेरियासराय में स्थित स्टेट बैंक ऑफ इंडिया के सामने कैश वाहन क’ गार्ड के बंदूक सं गोली चलिगेल जाहि कारण सं चपेट में एक गोट बुजुर्ग महिला जिनकर उमरि लगभग 45 वर्ष छैन्ह हुनका डांढ में गोली लागि गेल। हुनकर पहचान प्रेमजीवर पंचायत के बेदीपट्टी केल रह वाली छन्हि। ओतहि घायल महिला के धर फर में डीएमसीएच में इलाज के लेल भर्ती कराओल गेल अछि। जतय हुनकर इलाज चलि रहल अछि। एम्हर गोली चलला के बाद आक्रोशित भीड़ गार्ड के संग धाका मुक्की सेहो केलन्हि। ओतहि उपस्थित लोक सब में आक्रोश सेहो देखबा मे आयल। एम्हर गार्ड सं गोली केना चलल ई जाँच केर विषय अछि। ताबत महिला के इलाज डीएमसीएच में चलि रहल छन्हि।आ गार्ड के हिरासत में ल लेल गेल अछि। है।