दरभंगा। मंगलदिन कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के प्रतिकुलपति प्रो. सिद्धार्थ शंकर सिंह परीक्षा केंद्र म0अ0 रमेश्वरलता के औचक निरीक्षण कएलन्हि। शिक्षा शास्त्री प्रथम वर्षीय परीक्षा केर पहिल पाली के निरीक्षण करबाक अवसर पर केन्द्राधीक्षक डा. दिनेश झा, पर्यवेक्षक प्रो.दिलीप कुमार झा, उडनदस्तक डा. कुलानन्द झा आ वीक्षक उपस्थित रहैथ। पीआरओ निशिकांत के अनुसारे आई चतुर्थ पत्र में भाषा शिक्षण के परीक्षा छल। पहिल पाली में 59 आ दोसर पाली में 18 परीक्षार्थी उपस्थित रहैथ। परीक्षा शांतिपूर्ण आ कदाचार मुक्त देखिऽके प्रतिकुलपति संतुष्ट देखेलथि।
19 Apr 2022
