दिनांक 04-06-2022 दरभंगा शहर में एक बेर फेर चलल बुलडोजर।कराओल गेल भटियारी सराय मुहल्ला सं मारवाड़ी कॉलेज तक वार्ड नंबर 26 के एकटा सड़क अतिक्रमण मुक्त।
जनतब रहै जे ई कार्रवाई नगर निगम दिस सं कराओल जा रहल अछि। स्थल पर अंचलाधिकारी सहित जिला प्रशासन सेहो उपस्थित छलाह ।
एक बेर फेर जानकारी द दी जे दरभंगा शहर के वार्ड 26 भटियारी सराय मुहल्ला सं मारवाड़ी कॉलेज तक अतिक्रमण सं मुक्त कराओल जा रहल अछि।
जाहि व्यक्ति के घर सड़क पर अतिक्रमण कऽ बनाओल गेल छल ओहि सभ पर चलल बुलडोजर। ओतहि अंचलाधिकारी सेहो कहलनि जे सरकार के रुख खड़ा अछि। जे कियो व्यक्ति अतिक्रमण केने छथि ओ तुरतहि सरकारी जमीन के खाली कऽ दैथ। यैह सभ प्रक्रिया के अंतर्गत दरभंगा शहर के भटियारी सराय में अतिक्रमण मुक्ति के कार्यक शुरूआत कऽ देल गेल।
मुदा देखा चाही ई कार्रवाई कतेक दिन तक आगू बढैत अछि। किया की किनको चच्चा किनको भतीजा किछ नहि किछु रहिते छैन्ह।