दरभंगा, 29 दिसम्बर :- अनुमण्डल पदाधिकारी सदर स्पर्श गुप्ता आ अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी सदर कृष्ण नंदन कुमार केर संयुक्त अध्यक्षता में लहेरियासराय थाना में विभागीय निदेश’क आलोक में भूमि विवाद मामला सं संबंधित बैसार कैल गेल।

बैसार में भूमि विवाद सं सबंधित चारि टा मामला के सुनवाई कैल गेल। एहि चारि मामला मे सं एकटा मामला मे समझौता क’ आधार पर निष्पादित कैल गेल , शेष तीन टा मामला में सबटा संबंधित के विस्तृत जॉच प्रतिवेदन के संग अगिला तिथि 12 जनवरी 2022 के उपस्थित हेबाक निदेश देल गेल। संगहि महीने के दोसर आ चारिम बुधदिन के बैसार आहुत करबाक सेहो निर्देश देल गेल।
एहि बैसार में अंचलाधिकारी, बहादुरपुर, थानाध्यक्ष, बहादुरपुर आ लहेरियासराय उपस्थित छलाह ।