Breaking News

सृष्टि फाउंडेशन के छात्रा प्रियांशी मिश्रा महाकवि कोकिल विद्यापति केर रचना ‘कनक भूधर शिखर वासिनी…’ पर ओडिशी शैली में भावपूर्ण नृत्य प्रस्तुत क’ सबहक मोन मोहि लेलनि।

महाकवि कोकिल विद्यापति के निर्वाण दिवस पर विद्यापति सेवा संस्थान के तत्वावधान आयोजित तीन दिवसीय उनचासम मिथिला विभूति पर्व समारोह के दमगर शुरुआत बुधदिन सृष्टि फाउंडेशन के छात्रा प्रियांशी मिश्रा, विद्यापति के लोकप्रिय रचना ‘कनक भूधर शिखर वासिनी… ‘ पर ओडिशी शैली में भावपूर्ण नृत्य प्रस्तुत कएलन्हि आऽ दर्शककें मोन मोहि लेलनि।

एहि नृत्य के माध्यम सं ओ जगज्जननी माँ जगदंबा के प्रति अगाध प्रेम के दर्शाबैत अपनी भाव-भंगिमा सं माता जगदंबा के भिन्न-भिन्न रूप सबकें माँ काली, लक्ष्मी, कल्याणी केल ओडिसी नृत्य शैली में मनोहारी प्रस्तुति द’के दर्शक गण के हृदय जीत लेलनि। ओतहि नृत्य के माध्यम सं माँ दुर्गा के भिन्नभिन्न रूप सबहक प्रस्तुति करैत महिषासुर आ शुम्भ-निशुम्भ के वध’क प्रस्तुति के दर्शक गण खूब सराहना कएलन्हि।