— दरबार हॉल में मुख्य कार्यक्रम आयोजित होयत

दरभंगा।संस्कृत विश्वविद्यालय के संस्थापक महाराजाधिराज सर कामेश्वर सिंह के जयंती कैल्ह यानी शनिदिन मनाओल जायत। विश्वविद्यालय परिवार दिससँ आयोजित एहि कार्यक्रम के दौरान सबसँ पहिले महाराजाधिराज के समाधि स्थल माधवेश्वर परिसर में दिन में साढ़े नौ बजे हुनकर स्मृति में पूजा पाठ आ हवन आदि कैल जायत। ओतहि दुपहरिया मे विश्वविद्यालय के दरबार हॉल में कुलपति डा0 शशिनाथ झा केर अध्यक्षता में वृहत कार्यक्रम आयोजित होयत।
ई सब जानकारी दैत विश्वविद्यालय के उपकुलसचिव-प्रथम निशिकांत कहलन्हि जे डॉ0 सत्यवान कुमार के संचालन में आयोजित एहि कार्यक्रम के मुख्य अतिथि हेताह मिथिला विश्वविद्यालय के मैथिली विभाग’क प्रध्यापक डॉ0 शांतिनाथ सिंह ठाकुर। महाराजाधिराज केर प्रतिमा पर माल्यार्पण’क बाद मंगलाचरण सं शुरू हुअ बला उक्त कार्यक्रम में कुलगीत आ विशेष व्याख्यान होयत। प्रतिकुलपति, वित्तीय परामर्शी, कुलानुशासक, अध्यक्ष छात्र कल्याण, कुलसचिव समेत आन-आन पदाधिकारी आ सबटा कर्मी कार्यक्रम में उपस्थित रहताह। कार्यक्रम के ल’के विश्वविद्यालय परिवार अपन तैयारी पूरा क’ लेने अछि।