दरभंगा। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय थाना में महिला एसआई (ASI) लक्ष्मी कुमारी क परिजन के न्याय देबाक मांग के ल’क आई भाकपा(माले), ऐपवा, आइसा के द्वारा शहर में प्रतिवाद मार्च निकालल गेल। प्रतिवाद मार्च मिर्जापुर चौक सः आयकर चौक तक निकालल गेल।

सभा के संबोधित करैत संयुक्त नेता सब कहलनि जे
आजुक समय मे पूरा बिहार में महिला पर अत्याचार बढ़ि गेल अछि । नीतीश राज में पुलिस अधिकारी सेहो अपना आप के सुरक्षित महसूस नहि क’ पाबि रहल छथि। महिला शशक्तिकरण के बात कर बला भाजपा-जदयू के सरकार महिला एसआई क’ मृत्यु पर चुप्पी साधने छथि। उपस्थित नेता सब कहलथि जे महिला कांस्टेबल लक्ष्मी कुमारी के हत्या हो वा आत्महत्या एकर उच्चस्तरीय जांच करावाके पीड़ित परिवार के न्याय दिया देल जाय अन्यथा भाकपा(माले), ऐपवा आइसा आंदोलन के लेल बाध्य होयत।