कोरोना प्रोटोकॉल के अंतर्गत सबटा तैयारी पूरा

मां श्यामा नामधुन नवाह के शुभारंभ वृहस्तपति दिन, 10.30 बजे दीप प्रज्ज्वलित क’ कैल जाएत ।एकरा लेल न्यास के सचिव सह जिलाधिकारी दरभंगा, प्रो.शशिनाथ झा, कुलपति, कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय आ प्रो.सुरेंद्र प्रताप सिंह, कुलपति, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय आ न्यास के उपाध्यक्ष पं. कमलाकांत झा अपन स्वीकृति प्रदान क देलन्हि । जनतब दैत मंदिर प्रबंधक चौधरी हेमचंद्र राय कहलन्हि जे प्रधान पुजारी शरद कुमार झा पूर्वाह्न 10.45 बजे मंदिर परिसर में विधिवत् अग्नि-कुंड के स्थापना क’ संकीर्तन मंच के पूजन करताह। तदुपरांत नामधुन नवाह यज्ञ प्रारंभ होयत। जे निरंतर चलत।

न्यास के उपाध्यक्ष पं. कमलाकांत झा कहलनि जे कोविड -19 के दिशा- निर्देश’क पालन करैत भगवती के दर्शन में भक्तों के सौविध्य हेतु एहि बेर संकीर्तन मंदिर के उत्तर में अवस्थित मंच के स्थान पर परिसर के पूर्वी भाग में अवस्थित सत्संग भवन में होयत जतय एक बेर में मात्र पचासे श्रद्धालु स्थान ग्रहण करताह जे दू गज के दूरी बना के मास्क’क संग प्रवेश क’ सकताह। बिना मास्क आ सेनेटाइजर के प्रयोग किए प्रवेश निषिद्ध होयत।
ओ कहलन्हि जे मंदिर परिसर में प्रवेश पश्चिमी द्वार सं आ निकास दक्षिणी द्वार सं होयत। मंदिर में महिला सब पूब सं प्रवेश क’ दक्षिणी भाग में ठाढ़ भ’ मां के दर्शन क’ परिक्रमा करैत मंदिर के पांछां सं होइत उत्तरी द्वार सं निकैल जेती। जखन कि पुरुष पूब के दाहिने भाग सं प्रवेश क’ मां के दर्शन करताह आ ओतहि सं दाहिना निकास द्वार सं बाहर निकलि जयताह।
मंदिर समिति के सदस्य डा रमेश झा के अनुसारे नवाह यज्ञ के दौरान पूरा मंदिर परिसर सीसीटीवी कैमरा के दायरा में रहत आ सबटा प्रवेश द्वार पर मंदिर के निजी सुरक्षाकर्मी तैनात रहताह। शांति व्यवस्था हेतु अनुमंडल पदाधिकारी के द्वारा प्रतिदिन तीन शिफ्टों में तीन दंडाधिकारियों के प्रतिनियुक्ति कैएल गेल अछि आ पर्याप्त मात्रा में पुलिस बल के व्यवस्था हेतु अनुरोध कैल गेल अछि। न्यास समिति के सदस्य डा एच.के.दास, प्रो. रमेश झा, डा.दयानाथ यादव, डा राजेश्वर पासवान, सह-कोषाध्यक्ष पं.दयाकान्त मिश्र सहित सब कर्मी सदैव भक्तों की सेवा में तत्पर रहता। एकर अतिरिक्त यज्ञ के प्रधान यजमान
कैलाश बरोलिया हेताह जे पंडित सबहक वरण वृहस्तपति दिन दिन में 10.15 बजे करताह। कोनो असुविधा के स्थिति में प्रबंधक डा,चौधरी हेमचन्द्र राय सं संपर्क कैल जा सकैत अछि।