मिल्लत कॉलेज, दरभंगा में आजुक दिन राष्ट्रीय सेवा योजना के तत्वधान में “संविधान दिवस सह नशामुक्ति दिवस” कार्यक्रम के आयोजन कैल गेल। कार्यक्रम के अध्यक्षता करैत प्राचार्य प्रोफेसर डॉ सरदार अरविंद सिंह कहलनि जे आजुके दिन 26 नवंबर 1949 के संविधान राष्ट्र के समर्पित कैल गेल , जे 26 जनवरी 1950 के देश में लागू भ गेल । ओ भारतीय संविधान के विशेषता सबहक उल्लेख करैत समस्त लोकसभ सं ओहिमे वर्णित नियम सब आ कानून पर चलबाक अपील कएलन्हि । मुख्य अतिथि के रुप में उपस्थित विश्वविद्यालय के राष्ट्रीय सेवा योजना’क समन्वयक डॉ विनोद बैठा कहलनि जे अपना सबकें जत एक दिस अपन संवैधानिक अधिकार सबहक प्रति जागरूक रहबाक चाही, ओतहि दोसर दिस अपन कर्तव्य सबहक सम्यक निर्वहन सेहो करबाक चाही। महाविद्यालय’क वरीय तम शिक्षक अंग्रेजी विभागाध्यक्ष प्रोफेसर डॉ विजय मिश्रा एहि संविधान के कोनो देश के सबसँ पैघ लिखित संविधान कहैत एकरा उत्कृष्ट संविधान कहलनि। ओ सबकेँ संविधान’क प्रस्तावना के शपथ सेहो दियेलनि। भौतिकी विभागाध्यक्ष प्रोफेसर डॉक्टर महेश चंद्र मिश्रा एहि अवसर पर संविधान निर्मात्री समिति के अध्यक्ष डॉक्टर भीमराव अंबेडकर सहित आनआन लोक सबहक भूमिका के चर्चा करैत , भारतीय संविधान के महत्व पर प्रकाश देलन्हि। हिंदी विभागाध्यक्ष डॉ मोहित ठाकुर नशा के कारणेँ हुअ बला दुष्प्रभाव आ ओहि सं छुटकारा पेबाक उपै सबपर विस्तृत चर्चा कएलन्हि। पूर्व रजिस्ट्रार वनस्पति शास्त्र विभागाध्यक्ष डॉ मुस्तफा कमाल अंसारी नशा के कारणेँ हुअ बला कैंसर सहित आनआन बीमारी सबहक विस्तार सं उल्लेख करैत एहि सं बचबाक हेतु लोक सबकें जागरूक करबाक आवश्यकता पर जोर देलन्हि। संगहि एहिमे स्वयंसेवक सबहक महत्व आ भूमिका के रेखांकित कएलन्हि। राष्ट्रीय सेवा योजना के कार्यक्रम पदाधिकारी डॉक्टर सोनी शर्मा के मार्गदर्शन में स्वयंसेवक सबहक बीच नशा मुक्ति सं संबंधित वाद-विवाद आ निबंध लेखन प्रतियोगिता के सेहो आयोजन कैल गेल जाहिमे मोहम्मद आकिब, खदीजा, साजिया , बुसरा परवीन ,नाजिया हसनैन सहित कई एकटा स्वयंसेवक लोकनि भाग लेलनि। एहि अवसर पर महाविद्यालय के कई एकटा शिक्षक, शिक्षकेतर कर्मचारी आ छात्र -छात्रा सब उपस्थित छलैथ ।