कोसी छात्रावास चालु करबेबाक आ गंडक छात्रावास के छात्र लोकनि के संग अन्याय यथा छात्रावास के बिजली आ पानि बंद करबेबाक खिलाफ विश्वविद्यालय के संयुक्त संगठन मोर्चा के द्वारा आंदोलन कैल गेल आ विश्वविद्यालय मुख्यालय के गेट बंद कैल गेल।

ओतहि गंढक छात्रावास के छात्र आ जन अधिकार छात्र परिषद के दरभंगा जिला अध्यक्ष कहलन्हि जे विश्वविद्यालय प्रशासन अपन तानाशाही आचरण के अंतर्गत छात्र लोकनि के संग अन्याय करबा पर आतुर अछि विगत दू दिन सं हमसब छात्र धरना पर बैसल छी मुदा विश्वविद्यालय प्रशासन अपन रवैया मे सुधार नहि क’ रहल छथि जौँ यैह रवैया रहल आ छात्रवास के समस्या सबहक समाधान नहि कैल गेल तखन सबटा छात्र भूख हड़ताल पर बैसबाक घोषणा करैत छी
ओतहि जन अधिकार छात्र परिषद के विश्वविद्यालय अध्यक्ष कुणाल पाण्डेय कहलनि जे विश्वविद्यालय प्रशासन अपन तानाशाही रवैया के अंतर्गत छात्र लोकनि कें पहिले जकाँ कोसी छात्रावास जकाँ गंडक छात्रावास के सेहो खाली करबाब चाहैत अछि।

ओतहि राघवेन्द्र झा कहलनि जे कोसी छात्रावास के विश्वविद्यालय प्रशासन जल्दी सं जल्दी चालू करबा दई आ संगहि गंढक छात्रावास केर समस्या सब कें जल्दी सं जल्दी निदान भ जाय। ओतहि उपस्थित छात्र ठाकुर धर्मवीर यादव भालचंद्र झा राजेश कुमार चंदन कुमार हर्षवर्धन मोहन मुरारी राघवेंद्र झा आ अनेकों छात्र उपस्थित छलाह।

दरभंगा सं राजू सिंह के रिपोर्ट