शराबबंदी के ल’ फेर चलाओल जायत जागरूकता अभियान

दरभंगा, 16 नवम्बर माननीय मुख्यमंत्री, बिहार श्री नीतीश कुमार केर अध्यक्षता में माननीय दुनू उप मुख्यमंत्री, सबटा माननीय मंत्रीगण, मुख्य सचिव, बिहार, पुलिस महानिदेशक, बिहार, अपर मुख्य सचिव, गृह विभाग के संगहि संग सबटा आयुक्त, सबटा पुलिस महानिरीक्षक, सबटा पुलिस उप महानिरीक्षक, सब जिलाधिकारी, सब वरीय पुलिस अधीक्षक/पुलिस अधीक्षक के संगहि संबंधित पदाधिकारी लोकनिक संग बृहत समीक्षा बैसार कैल गेल। 
  बैसार में पुलिस महानिरीक्षक, मद्यनिषेध द्वारा 01 अप्रैल 2016 सं ल’ एखन धरि तक शराबबंदी अभियान के अन्तर्गत कैल गेल कार्रवाई सं माननीय मुख्यमंत्री के अवगत करबैत कहलन्हि जे शराबबंदी के विरूद्ध बिहार में 03 लाख 48 हजार 170 केस पंजीकृत कैल गेल, 04 लाख 01 हजार 855 लोक सबहक गिरफ्तारी भेलन्हि , 61,349 गाड़ी सबकेँ जब्त कैल गेल, 01 करोड़ 25 लाख 78 हजार 310 लीटर भारत में बनल विदेशी शराब आ 67 लाख 97 हजार 254 लीटर देशी शराब बरामदगी/ज़ब्ती कैल गेल अछि।

  ओ कहलनि जे पंजाब, हरियाणा, अरूणाचल प्रदेश, पश्चिम बंगाल, झारखण्ड, नेपाल सं आब बला शराब’क बड़का कारोबारी सबकेँ विरूद्ध सेहो लगातार कार्रवाई कैल गेल अछि। थाना प्रभारी/चौकीदार के विरूद्ध सेहो व्यापक पैमाने पर कार्रवाई कैल गेल अछि।
  दरभंगा सं वरीय पुलिस अधीक्षक श्री बाबूराम कहलन्हि जे वर्ष 2020 में 75 हजार 876 लीटर भारत निर्मित विदेशी शराब केर जब्ती भेल छल, जाहिमे 60 प्रतिशत् वृद्धि भेल अछि जे वर्ष 2021 में 01 लाख 23 हजार 282 लीटर विदेशी शराब की जब्ती भेल अछि। ओतहि 2020 में 20 हजार 208 लीटर देशी शराब’क जब्ती भेल छल, जखन की 2021 में 25 हजार 295 लीटर देशी शराब के बरामदगी कैल गेल। शराबबंदी अभियान में लापरवाही रखबाक लेल 01टा थानाध्यक्ष के बर्खाश्त क’ देल गेल अछि, 13टा चौकीदार के निलंबित कैल गेल अछि, जाहि मे स’ 04टा के बर्खाश्त कैल गेल आ 04टा पर विभागीय कार्रवाई चलि रहल अछि। 15 दिन पहिने 01टा बड़का शराब माफिया के एत छापेमारी क’ 15 लाख रूपया नगद बरामद कैल गेल अछि, एहि सं पहिले सेहो 01टा शराब माफिया के एत छापेमारी क’ 70 लाख रूपये के बरामदगी भेल छल। दुनू के विरूद्ध कानूनी कार्रवाई चैल रहल अछि। शराबबंदी अभियान के अंतर्गत 12टा लोक सबकें जमानत रद्द करवाओल गेल अछि , 610 लोक सबहक नाम गुंडा पंजी में दर्ज कराओल गेल अछि, 30टा लोक सबकें सर्विलांस पर राखल गेल अछि।

  एहि प्रकारे सबटा जिला के वरीय पुलिस अधीक्षक/पुलिस अधीक्षक द्वारा अपन-अपन जिला क’ संबंध में शराबबंदी अभियान के अंतर्गत कैल गेल, कार्रवाई के जानकारी देल गेल।
       बैसार के अन्त में माननीय मुख्यमंत्री निर्देश देलथि जे कि शराब बंदी अभियान के पूरा मजबूती सं लागू करनाई अछ ,जे कियो पदाधिकारी/कर्मी लोकनि एहिमे शामिल हेताह , हुनका कोनो किमत पर नहि छोड़नाइ अछि।
  शराब’क मामलें में कियो कतेक ऊंचगर रसुखदार किया नहि होईथ, सबहक विरूद्ध कार्रवाई करनाई अछि। ओ कहलनि जे लोक सब में जागरूकता अभियान बहुत आवश्यक अछि, ताहि कारणें 26 नवम्बर के फेर सबटा पदाधिकारी/कर्मी लोकनि कें कखनो शराब नहि पीबा आ किनको नहि पीब’ देबाक शपथ दियाओल जायत। सरकार सं जुड़ल कर्मी यथा – चौकीदार, जीविका के सेहो शपथ दियैल जेतनि। कॉल सेन्टर केर नम्बर 15545 आ 1800-345-6268 के प्रचार कैल जायत। एहि नम्बर पर सूचना देब बला के नाम गुप्त राखल जायत।
      पुलिस विभाग शराबबंदी क’ लेल लगातार नियमित रूप सं कार्रवाई करथि। 15 दिन पर जिलाधिकारी, पुलिस अधीक्षक, उत्पाद अधीक्षक आ लोक अभियोजक के संग बैसार क’ प्रत्येक थाना, प्रखण्ड, पंचायत केर स्थिति के समीक्षा करैथ।
  लोक सबकें को जागरूक करबाक लेल फेर भिन्नभिन्न प्रकार’क जागरूकता कार्यक्रम के आयोजन कैल जाएत।
  ऑनलाइन बैसार में दरभंगा सं आयुक्त, दरभंगा प्रमण्डल, दरभंगा मनीष कुमार, पुलिस महानिरीक्षक, मिथिला प्रक्षेत्र, दरभंगा अजिताभ कुमार, जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम., वरीय पुलिस अधीक्षक श्री बाबू राम, नगर पुलिस अधीक्षक श्री अशोक प्रसाद, उप निदेशक, जन सम्पर्क नागेन्द्र कुमार गुप्ता, उत्पाद अधीक्षक ओम प्रकाश आ आन आन संबंधित पदाधिकारीगण ऑनलाईन जुड़ल छलैथ।