#MNN@24X7 मधुबनी, मैथिली साहित्यिक सांस्कृतिक समिति ,मधुबनीक तत्वावधानमे ११ जून क’ उत्क्रमित मध्य विद्यालय, केवटा (कलुआही) परिसरमे भव्य आयोजनके रूपे यात्री जीक जयन्ती समारोह आयोजित कयल गेल। एहि सारस्वत अनुष्ठानमे समस्त लोहा,केवटा ग्रामक साहित्य प्रेमी, मातृभाषाक प्रेमी लोकनिक घनगर जुटान कार्यक्रमक अंत धरि बनल रहल। दरभंगा, समस्तीपुर, मधुबनी, सीतामढ़ी सॅं आओल वरिष्ठ साहित्यकारक उपस्थिति समारोहके महमहा देलक।यात्री जीक साहित्यके विस्तृत क्षेत्रपर सकारात्मक संवाद वक्ता लोकनि द्वारा अद्भुत रहल जाहिमे आदरणीय डाक्टर भीमनाथ जीक गरिमामयी उपस्थिति..आ हुनक कविता वाचन स एकटा सकारात्मक भाव सौंसे परिसरमे व्याप्त छल। कार्यक्रम दू सत्रमे बॉटल गेल छल।
पहिल सत्र- संगोष्ठी’ बिषय:’आधुनिक मिथिलाक निर्माण मे यात्री साहित्यक महत्व’ पर चर्च भेल। अध्यक्षता केलनि श्रद्धेय डॉ भीमनाथ झा। मुख्य अतिथिक रूपे आमंत्रित छलाह। विनोद नारायण झा,विधायक। हुनक वक्तव्य जे मैथिलीक विकास लेल समरसताक अत्यधिक आवश्यक अछि।जे समाजमे सभ जाति-वर्गके जोड़लाके उपरांते संभव हैत।
विशिष्ट अतिथि: बिन्दु गुलाब यादव जिला परिषद अध्यक्ष ,यात्रीके श्रद्धांजलि दैत ,हुनका जनकविक रूपमे मोन पाड़लनि।
वक्ताक रूपमे उपस्थित छलाह महेन्द्र नारायण राम,मंजर सुलेमान,प्रीतम निषाद,शीतलाम्बर झा,महेश सिंह-प्रमुख, प्राथमिक शिक्षा संघके अध्यक्ष महादेव मिश्र, स्वागताध्यक्ष-संयोजक-श्री राजेश कुमार मिश्र ,मुखियाके एहि आयोजनके श्रेय जाइत छन्हि।
आयोजनक संचालन श्री दिलीप कुमार झाक द्वारा कएल गेल।
दोसर सत्रमे एकटा सफल कवि गोष्ठी साहित्यिक एवं सांस्कृतिक समिति मधुबनीक द्वारा संपादित कयल गेल।। दू दर्जन सॅं बेसी कवि कवयित्रीक द्वारा कविताक पाठ कयल गेल,जाहिमे -फूलचन्द्र झा प्रवीण,अर्जुन कविराज,प्रदीप पुष्प,सुमित मिश्र गुंजन,झौली पासवान,प्रजापति ठाकुर,जय नारायण गिरि,आनन्द मोहन झा,सुप्रिया रानी ,हम मालती मिश्र,आशीष कुमार मिश्र,डा.रवीन्द्र झा ,कमलेश प्रेमेन्द्र ,दिलीप कुमार झाक अतिरिक्त चण्डेश्वर खॉ,सोनू कुमार, सचिव सुमन कुमार, गोपाल जी, रेवती रमण झा जीक उपस्थिति रहल।एहि अवसरपर मंच सँ रेवतीरमण झा लिखित मैथिली नाटक मनोरथक लोकार्पण सेहो भेल।धन्यवादज्ञापन ग्रामीण श्री बैद्यनाथ झा जीके द्वारा कएल गेलनि।श्री बैधनाथ मिश्र,यात्री जीक स्मृतिमे कयल गेल आयोजन सफलतापूर्वक संपन्न भेल।
12 Jun 2024