दरभंगा । केवटी थानाक्षेत्र’क दरभंगा-जयनगर राष्ट्रीय राजमार्ग-527 बी में केंद्रीय विद्यालय हवाई अड्डा के लगीच मंगलदिन बालू स लदल ट्रक (रजिस्ट्रेशन संख्या-बीआर 06जीई-6407) के ठोकर सं स्कूटी सवार अधेड़ व्यक्ति के दर्दनाक मौत घटनास्थले पर भ गेलनि। ओतहि मृतक के भगीना मो. अबूबकर जख्मी भ गेलाह। मृत अधेड़ व्यक्ति कऽ पहिचान जलवारा गांव निवासी स्व. मो. मुस्लिम के पुत्र मो. अली राजा (60) के रूप में कैल गेल अछि। घटना’क बाद हुनकर स्वजन सबहक बीच में कोहराम मचि गेल। देखते देखैते लोक सबहक भीड़ घटनास्थल पर जमा भ गेल। चालक, ट्रक के छोइड़ भागबा में कामयाब रहल। एम्हर, घटना सं आक्रोशित लोक सब बांस-बल्ला लगाके ओहि मार्ग के जाम क’ यातायात व्यवस्था के ठप क’ देलनि। एहि कारणेँ सड़क’क दुनू कात वाहन सबहक नमहर कतार लागल रहल।
सूचना भेटतहिं थानाध्यक्ष शिव कुमार यादव दल बल के संग ओत पहुंच के घटनास्थल के जायजा लेलनि आ लोक सबकें बुझा-सुझा के जाम के हटबेलनि आ शव के पोस्टमार्टम करबाक लेल डीएमसीएच पठाओल गेल। एहि बीच सीओ गंगेश झा आ सदर थानाध्यक्ष शशिकांत सिंह सेहो पहुंचलाह। पुलिस दुर्घटनाग्रस्त वाहन के जब्त क’ आगू के कार्रवाई प्रारंभ क’ देलक अछि।
कहल जा रहल अछि जे मो.अली राजा स्कूटी सं अपन भगीना के संग दरभंगा सं वापिस घर जलवारा ऐब रहल छल। दोसर दिस बालू लदलाहा ट्रक सेहो दरभंगा सं रहिका दिस आबि रहल छल। एहि क्रम में केंद्रीय विद्यालय हवाई अड्डा के लगीच ट्रक हुनका ठोकर मारि देलक आ ओ ट्रक केर चपेट में आबि गेलाह। जख्मी भगीना मो.अबूबकर के इलाज दरभंगा में चलि रहल अछि। कहल जा रहल अछि जे मो.अली राजा करीब 10 दिन पहिले विवाह समारोह क’ ल’ दिल्ली सं अपन गाम जलवारा आयल छलाह ओ दिल्ली में अपन कारोबार करैत छलाह ।
दरभंगा सं राजू सिंह के रिपोर्ट