आब की कहू जे नहि से भ रहल अछि। दरभंगा जिला के एकटा बीडीओ साहेब के स्वक्षता पाठ ‘सुईन बंद कऽ पड़त कान-“10 हजार की साड़ी पहनकर सड़क पर#### दिखाती है फ्री मे###$$(हमरा स लिखब संभव नहि विडियो देखल जाऊ।
https://youtu.be/2CHUH4Q5aRY
देश में जाहि नारी शक्ति के सम्मान देबाक शिक्षा नेनपने सं देल जाइत अछि ओहि समाज में महिला कऽ लेल एहेन असभ्य बोल। सेहो महिला सबहक सामने।
हुनकर एहेन गप्प सुनि महिला की उपस्थित पुरुक्ष सभ सेहो एम्हर ओम्हर ताक लगलाह। ओना जानकारी द दी जे ई विडियो दरभंगा जिला के अलीनगर प्रखंड में देखबा मे आयल। अलीनगर के बीडीओ रघुवर प्रसाद स्वच्छता के पाठ पढ़बैत पढ्बैत महिला सबहक सामने अंट शॉट बाज लगलाह। प्राप्त जानकारी अनुसार ई घटना वृहस्तपति दिन के अछि।
एहि घटनाक एकटा वीडियो सोशल मीडिया पर तेजी सं वायरल भऽ रहल अछि । एकर बाद त बुझू सभ दिस थूथू भेल अछि।
वायरल वीडियो में स्पष्ट देखबा में आईब रहल अछि जे अलीनगर के बीडीओ रघुवर प्रसाद स्वच्छ गांव अभियान के लेल प्रखंड परिसर में स्वच्छता कर्मि सब आ ग्रामीण सबहक संग मीटिंग क रहल छथि । एहि मीटिंग में स्वच्छता कर्मी आ ग्रामीण सभ सेहो सम्मिलित छथि जाहि मे महिला सबहक संख्या बेस छलैन।
एहेन गैर पढ़ुआ बीडीओ के एहि मीटिंग के वीडियो सोशल मीडिया पर तेजी सं वायरल भ रहल अछि। संगहि एहि गप्प के लऽ के लोक सभ मे बेस तामस छलन्हि आ ओ सब बीडीओ के खिलाफ कार्रवाई के सेहो मांग कऽ रहल छथि।
स्थानीय सामाजिक कार्यकर्ता संजय सिंह कहलनि जेअलीनगर बीडीओ एहि गलती के लेल लोक सभसँ क्षमा मांगैथ। ओ कहलनि जे अगर ओ माफी नहि मांगैत छथि तखन हुनका खिलाफ कड़गड़ कार्रवाई हेबाक चाही । ओ कहलनि लोक सबहक तामस बढ़ि रहल छैन्ह। जौं जल्दीसँ कार्रवाई नहि भेल तखन पैघ अधिकारी लोकनि कें सेहो खामियाजा भोग पड़तैन।