दरभंगा। अपन मातृभाषा आ संस्कृति केर सुरक्षा आ संवर्धन प्रत्येक व्यक्तिक दायित्व थिक। जे समाज एकरा प्रति सजग रहैत अछि इतिहास मे ओकरे नाम स्वर्णाक्षरमे सम्मानक संग लिखल जाइछ। मिथिलावासीक लेल विद्यापति संगीत एकटा ओहने धरोहर थिक। एहि धरोहरक प्रति संवेदनशील छथि *रिबेल थियेटर* केर सभ सदस्य लोकनि। अपन मातृभाषा मैथिलीक प्रति आ विद्यापति संगीतक प्रति सम्मान रखैत छथि।

इ बात प्रमाणित भेल रिबेल थियेटरक तेसर स्थापना दिवसपर आयोजित कार्यक्रमक सुअवसर पर। रविकेँ बेरूपहर पाँच बजे दरभंगाक हराही पोखरिक पछवरिया मोहारपर अवस्थित बहुउद्देश्यीय भवनक भव्य परिसरमे रिबेल थिएटरक स्थापना दिवस समारोह मनाओल गेल।

मिथिला विश्वविद्यालय के स्नातकोत्तर संस्कृत विभाग द्वारा 30- 31 अगस्त, 2022 को होगा अंतरराष्ट्रीय सम्मेलन का आयोजन।

एहि पावन बेला मे दिवाकर झा,भव्या ठाकुर, दीक्षा झा,सुरुचि ठाकुर,ऋतिक राज,शिवम पोद्दार, श्रुति, हिमांशु झा,सुमन कुमार सिंह, मोहित पाण्डेय, अविनाश, आदित्य कर्ण इत्यादि कलाकार अपन मोहक स्वरसँ विद्यापति संगीत प्रस्तुत केलनि आ श्रोता व दर्शक मुग्ध होइत रहला।

विद्यापति संगीतक उपरांत शिवम झा शांडिल्य केर निर्देशनमे महेन्द्र मलंगिया रचित नाटकक मंचन सेहो भेल। ‘नसबंदी’ एकटा ग्रामीण पुरुष आ महिलाक कथा थिक। महिला जखन रोगग्रस्त रहैत अछि त’ ओकरा बचेबाक लेल पुरुष लग टाका नहिं रहै छै। लोकक सोझाँ हाथो पसारलक मुदा टाका नहिं भेटलै। तखन ओ अपन नसबंदी करबैत अछि आ ओहि सँ प्राप्त धनसँ पत्नीक इलाज करबैत अछि।ओ दम्पत्ति निःसंतान अछि। जखन स्त्रीकेँ पता चललै जे ओकरा आब मातृत्व सुख नहिं भेटतै त’ ओ पुरुषकेँ छोड़ि नैहर चलि जा पुरुष पत्नीक नैहर जाअपन प्रेमकेँ प्रकट करैत अछि, मुदा स्त्री संतान सुखकेँ सर्वोपरि मानैत अछि आ दोसर विवाह लेल दृढप्रतिज्ञ अछि।

अन्तमे पत्नी लेल जे नुआ आ गहना ल’ गेल छल से ओकरा द’ दैत छैक आ कहैत छैक जे इ राखू अहाँक वियाह मे काज देत। इ सुनैत देरी पत्नी पतिक करेजमे सटिक’ हबोढकार भ’ कानय लगैत अछि आ पति घरसँ बाहर भ’ गाड़ी पकड़बाक लेल चलि जाइत अछि। एहि एकांकीमे समाजक मध्य पसरल गरीबी आ प्रेमक पराकाष्ठा दर्शाओल गेल अछि, जे मिथिलाक संग सम्पूर्ण भारतीय समाजक सत्य थिक।

एहि नाटकमे मुख्य भूमिकामे वारिधि विशाल झा,पल्लवी, अमन कुमार झा, राजनाथ पंडित,सुमित श्री, अमन,सुमन एवं आन आन कलाकार सभ छला।

छात्र-छात्राओं की रंगारंग प्रस्तुति ने दर्शकों का मोहा मन।

एहि अवसरपर मुख्य अतिथि डाक्टर राकेश कुमार चौधरी, स्वागत भाषण संस्थाक उपाध्यक्ष मोहित पाण्डेय,कार्यक्रमक संचालन शिवानी झा शाण्डिल्य आ धन्यवाद ज्ञापन राजनाथ पण्डित केलनि।

एहि तरहेँ रिबेल थिएटर दरभंगा अपन स्थापनाक तेसर वार्षिकोत्सव सफलता पूर्वक मनौलक।

जौँ अहाँ अपन इतिहास के बिसरब, तखन इतिहासो अहाँ के बिसरि जायत।