Breaking News


#MNN@24X7 चारि दिनसँ चलि रहल आस्थाक महापर्व। आइ उदयीमान सूर्यकेँ अर्घ्य देबाक संगहि समाप्त भ’ गेल। बतबैत चली जे लगभग पूरा कार्तिक मासक प्रारंभहिसँ छठिकेँ ल’ क’ बच्चासँ बूढ़ धरिमे उत्साहक वातावरण छल, जे उदयीमान सूर्यकेँ अर्घ्य देबाक संगहि समाप्त भ’ गेल।

बतबैत चली जे समस्तीपुरमे सेहो विभिन्न स्थान पर छठि पूजा आस्था आ उत्साहक संगम केर संग मनाओल गेल। एही क्रममे मोहिउद्दीननगरक दूबहा गाममे सेहो छठिक घाटटर आस्था आ भक्तिक संगम देखबाक लेल भेटल व्रतीक द्वारा चारि दिनक अनुष्ठानक क्रममे भक्ति भाव देखबाक लेल भेटल आ 36 घंटाक का निर्जला उपासका क्रम सेहो समाप्त भेल !

छठि घाटपर उगैत सूर्य केँ अर्घ्य दैत लोक सभ आयु- आरोग्यता,यश,संपदाक आशीर्वाद लेलनि ! सोम केँ धृति योग आ रवियोगमे उदयीमान सूर्यकेँ दूध और जल सँ अर्घ्य द’ क’ व्रती लोकनि ने भगवान भास्करक आशीर्वाद लेलनि। प्रशासन दिसिसँ सेहो व्रती के लेल आ घाटक सुरक्षाक लेल आवश्यक इंतजाम कएल गेल छल!

प्रशासन आ लोकक समन्वय सेहो देखबाक लेल भेटल।एही क्रममे घाट आ व्रतीक सुविधा हेतु व्यवस्था में कुमार सौरभ, विक्रम सिंह, मिथलेश सिंह, मूकेश सिंह, रणवीर सिंह इत्यादि ग्रामीण लोकनिक पूर्ण सहयोग रहल।