बिहार सरकार द्वारा राजकीय पर्व के रूप मे घोषित कवि कोकिल विद्यापति के निर्वाण दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी पर आयोजित हुअ बला तीन दिवसीय मिथिला विभूति पर्व समारोह केर शुभारंभ बुधदिन 17 नवंबर के पूर्वाह्न 10 बजे विद्यापति चौक स्थित महाकवि कोकिल विद्यापति के प्रतिमा पर माल्यार्पण के संग होयत. जखन कि महाकवि विद्यापति केर प्रतिमा पर माल्यार्पण करबाक उपरांत मिथिला के पारंपरिक परिधान में भव्य शोभा यात्रा निकालल जायत। जाहिमे शोभायात्रा प्रभारी विनोद कुमार झा आ प्रो चन्द्र शेखर झा बूढ़ाभाई के नेतृत्व में शहर’क लालबाग स्थित लक्ष्मीश्वर पुस्तकालय सं निकल बला मिथिला के गौरवशाली परंपरा के वर्णन करैत आकर्षक झांकि सब शहर’क भिन्न-भिन्न मार्ग सब पर आ चौक-चौराहा सब सं होइत वाया शास्त्री चौक आ दरभंगा रेलवे स्टेशन होइते विद्यापति चौक पर पहुंचत. झांकी के संग कलश ल” चल बाली 108 महिला लोकनिक कतार आकर्षण के केंद्र बनत।

जानकारी दैत विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे कोरोना के निर्धारित सुरक्षा मानक सबहक आ सामाजिक दूरी के अनुपालन करैत,मनोहारी झांकि सबहक संग निकल बला ई शोभा यात्रा विद्यापति चौक सं आकाशवाणी रोड होइत ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय परिसर, कामेश्वर सिंह दरभंगा विश्वविद्यालय परिसर, केंद्रीय पुस्तकालय होइत श्यामा मंदिर पहुंचत। एहि क्रम में एकर मार्ग में पड़ बला मिथिला विभूति सब क्रमशः पंडित सुरेंद्र झा ‘सुमन’, पूर्व सांसद स्व भोगेन्द्र झा, महाराज महेश ठाकुर, महाराज रमेश्वर सिंह, ललित नारायण मिश्र, डा भीमराव अम्बेडकर, महाराज कामेश्वर सिंह, महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह, बाबा नागार्जुन आदि के प्रतिमा सब पर माल्यार्पण कैल जाएत । ओ कहलथि जे शोभा यात्रा में मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान के अभियानी सेहो शामिल हेताह. अभियानी अपन हाथ में मिथिलाक्षर में लिखल तख्ती रखताइ, जाहि सँ की आम लोक सबकें मिथिलाक्षर सीखबाक प्रति जागरुक कैल जा सकय. शोभायात्रा में ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो सुरेन्द्र प्रताप सिंह, कामेश्वर सिंह दरभंगा विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो. शशिनाथ झा, बिहार प्रदेश कांग्रेस कमेटी के अध्यक्ष डा. मदन मोहन झा, पूर्व विधान पार्षद डा दिलीप कुमार चौधरी आ डा विनोद कुमार चौधरी, दरभंगा के मेयर वैजयन्ती खेड़िया और उपस्थित लोक सब शामिल हेताह।

पहिल दिन के संध्याकालीन कार्यक्रम के प्रारंभ महाकवि कोकिल विद्यापति के रचना ‘कनक भूधर शिखर वासिनी…’ पर ओडिशी नृत्य शैली मे सृष्टि फाउंडेशन के वरिष्ठ छात्रा प्रियांशी मिश्रा के भावपूर्ण प्रस्तुति के संग होयत. तदुपरांत भिन्नभिन्न क्षेत्र सब में उत्कृष्ट योगदान’क आधार पर चयनित व्यक्ति सब के मिथिला विभूति सम्मान सं सम्मानित कैल जाएत आ एकर बाद भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम होयत, जाहिमे नवोदित कलाकार लोकनि सं ल’ मैथिली मंच के स्थापित कलाकार अपन प्रतिभा के जादू छिरियेता.

समारोह’क दोसर दिन ‘कोरोना : दोसर लहरिक प्रभाव’ विषयक राष्ट्रीय सेमिनार आ भव्य कवि सम्मेलन के आयोजन कैल जायत। सेमिनार प्रभारी मणिकांत झा कहलनि जे सेमिनार’क लेल प्रस्तावित विषय पर चारि दर्जन सं बेसी आलेख प्राप्त भेल अछि, जकरा पुस्तकाकार करैक काज अंतिम चरण में अछि आ समारोह कें दोसर दिन एमएलएसएम कॉलेज के सेमिनार कक्ष में कोरोना के सबटा मानदंड’क अनुपालन करैत आयोजित कार्यक्रम के मध्य एहि पुस्तक’क लोकार्पण कैल जाएत।
कवि सम्मेलन के बारे में जानकारी दईत आयोजन समिति के कवि-गोष्ठी संयोजक हरिश्चंद्र हरित कहलनि जे समारोह के दोसर दिन संध्या बेला में भव्य कवि सम्मेलन के आयोजन कैल जायत। समारोह’क तेसर दिन रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन कैल जायत।
डा. बैजू कहलनि जे ई साहित्यिक आ सांस्कृतिक महाकुंभ मोन राख बला होयत। एहि मे आम मिथिला वासी सं ल’ भारी संख्या में पड़ोसीया देश नेपाल आ प्रवासी मैथिल सेहो भाग लेताह. जखन कि कार्यक्रम में सम्मिलित हेबाक लेल बिहार सरकार के मंत्री संजय झा, जीवेश मिश्र, डॉ. राम प्रीत पासवान, , केंद्रीय मंत्री अश्विनी चौबे, पूर्व केंद्रीय मंत्री पद्मश्री डॉ. सीपी ठाकुर आ प्रदेश कांग्रेस अध्यक्ष डॉ. मदन मोहन झा, लोकसभा सांसद डॉ. गोपाल जी ठाकुर, डॉ. अशोक कुमार यादव, राज्य सभा सांसद विवेक ठाकुर, नगर विधायक संजय सरावगी, बेनीपुर विधायक डॉ विनय कुमार चौधरी, केवटी विधायक मुरारी मोहन झा, पूर्व विधान पार्षद डॉ. दिलीप कुमार चौधरी, पूर्व विधान पार्षद डॉ. विनोद कुमार चौधरी, मिश्री लाल यादव, दरभंगा नगर निगम की महापौर वैजयंती देवी खेड़िया सब उपस्थित रहताह.संस्थान’क मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा कहलनि जे पं चन्द्रनाथ मिश्र अमर आ डॉ रामदेव झा सहित हाल फिलहाल में दिवंगत भेल विशिष्ट व्यक्ति सबकेँ व्यक्तित्व आ कृतित्व सं सजल अर्पण के स्मृति विशेषांक केर विमोचन’क दोसर दिन’क कार्यक्रम के मध्य कैल जाएत. आयोजन’क सलाहकार समिति के अध्यक्ष सह सांस्कृतिक कार्यक्रम संयोजक पं कमलाकांत झा कहलनि जे तीन दिन आयोजित हुअ बला सांस्कृतिक कार्यक्रम दर्शक सब केँ विशेष आकर्षण के केंद्र बनत। एहि मे नवोदित कलाकार सब सं ल’ मैथिली मंच के स्थापित कलाकार तक अपन दमदार प्रस्तुति देताह . रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम में रंजना झा, मैथिली ठाकुर, डा ममता ठाकुर, पूनम मिश्रा, सोनी चौधरी, जूली झा, पं कुंज बिहारी मिश्र, राम बाबू झा, माधव राय, ओमप्रकाश सिंह, कन्हैया, अरविंद कुमार. सुरेश पंकज, दुखी राम रसिया, दीपक कुमार झा, नीरज कुमार झा, केदारनाथ कुमर, सुषमा झा, अनुपमा झा सबहक प्रस्तुति के संग सृष्टि फाउंडेशन आ नटराज डांस एकेडमी के कलाकार सबहक द्वारा प्रस्तुत नृत्य आकर्षण के केन्द्र में रहत.
स्वागत महासचिव प्रो. जीवकांत मिश्र कहलनि जे मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2021 के परिणाम के घोषणा 19 नवम्बर के दिन में होयत. जखन कि पुरस्कार वितरण मुख्य समारोह में अहि दिन कैल जाएत. ओ कहलनि जे समारोह के अंतिम दिन एहि बेर मिथिला व्यंजन मेला के सेहो आयोजन कैल जायत, जाहिमे लोक मिथिला के पारंपरिक चहटगर व्यंजन’क स्वाद का आनन्द उठा सकताह।
दरभंगा से राजू सिंह की रिपोर्ट