Breaking News


#MNN@24X7 मधुबनी। वसन्त ऋतुक आगमनसँ सम्पूर्ण प्रकृति केर संगहि प्राणीमात्र नव उल्लाससँ भरि उठैत छथि। एहि वातावरणक प्रभावसँ कवि लोकनि कोना वंचित रहि सकैत छथि। विभिन्न भावभूमि, कथ्य,शिल्प, शैली इत्यादि सँ रसपूर्ण कवितासँ कवि लोकनि श्रोता-दर्शक लोकनिकेँ ओतप्रोत करैत रहला।

रविकेँ अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौरक तत्वावधानमे ननौर दुर्गा स्थान परिसरमे मासिक कवि गोष्ठीक आयोजन दुर्गानन्द झाक अध्यक्षतामे सफलता पूर्वक सम्पन्न भेल।

संस्थाक अध्यक्ष डॉक्टर जयानन्द मिश्रक स्वागत भाषणसँ आरंभ भेल कवि गोष्ठीक संचालन डॉक्टर संजीव शमाँ, आ धन्यवाद ज्ञापन गोष्ठीक अध्यक्ष दुर्गा नन्द झा केलनि। एहि अवसरपर हरिदेव झा,डॉक्टर शैलेन्द्र मोहन मिश्र,देवानन्द मिश्र, समीर दास,प्रदीप पुष्प, अखिलेश कुमार झा,आशुतोष मिश्र ‘अजल’, राघव रमण सहित कतेको कवि लोकनि अपन काव्य सरिता प्रवाहित केलनि।