कक्षामे आ प्रतियोगितामे नीक प्रदर्शन केनिहार पुरस्कृत
——————————————-
#MNN@24X7
म लगभग तीन सौ वर्षसँ उत्तम गाम ननौरमे दुर्गा पूजाक आयोजन हर्षोल्लास पूर्वक होइत रहल अछि। एखन धरि प्रचलित प्राचीन परंपराक पालन होइत रहल मुदा नहि बेर मनोज कुमार दास जीके संयोजन आ ग्रामीण लोकनिक सहयोग एहिमे नव अध्याय जोड़ि देलनि।


एहि क्रममे बेलनोतीक रात्रि हर्ष प्रतिभा पुरस्कारक शुभारंभ भेल। एकरा अन्तर्गत दशम आ बारहम कक्षामे उत्कृष्ट प्रदर्शन केनिहार विद्यार्थी सभकेँ, तकनीकी शिक्षामे नीक प्रदर्शन केनिहारकेँ सरकारी सेवामे अपन स्थान बनौनिहारकेँ नगद राशि,पाग चद्दरि, प्रशस्ति पत्र,सरस्वतीक काँस्य प्रतिमासँ सम्मानित कयल गेलनि।

तदुपरांत डॉ.जयाननंद मिश्रक अध्यक्षतामे एकटा रमणगर कवि गोष्ठी आयोजित भेल। एहि क्रममे सुशील लाल दास,प्रदीप पुष्प,देवानंद मिश्र,अनिल कुमार झा,अजय कुमार दास, संदीप कुमार, समीर कुमार,गौड़ी शंकर शाह आदि अपन मनमोहक कविता पाठसँ वातावरण अनुगुंजित करैत रहला।

कवि गोष्ठीक संचालन अखिलेश कुमार झा केलनि। सांस्कृतिक प्रदूषणक विर्रोक मध्य ननौर(रतुपार) गामक साहित्य प्रेमी लोकनिक ई प्रयास बेस प्रशंसनीय कहल जा सकैत अछि । ई भव्य कवि गोष्ठी मैथिली साहित्यक महामनीषी आचार्य सुरेन्द्र झा सुमनकेँ समर्पित छलनि। कारण जे हुनक जन्म 09/10/1910 केँ भेल छलनि।