————–
पेंशनभोगी आ कार्यरत शिक्षक गण आ कर्मी लोकनिक लंबित वेतन केर अविलंब भुगतान के ल’क कुलाधिपति, मुख्यमंत्री आ शिक्षा मंत्री के पठेलनि पत्र
———–

विश्वविद्यालय के विभिन्न विभाग सब आ अंगीभूत महाविद्यालय सब केँ पेंशनधारी लोकनि आ कार्यरत शिक्षक गण आ कर्मचारी सब कें विगत तीन महीना सं वेतन आ पेंशन भुगतान नहि भेला पर विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव-सह-सिंडिकेट सदस्य डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कड़गड़ आपत्ति जतेलथि . शनिदिन ओ कुलाधिपति, मुख्यमंत्री आ शिक्षा मंत्री के चिट्ठी पठा के कहलन्हि जे बिहार’क विभिन्न विश्वविद्याल सब सहित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के विभिन्न विभाग सब आ अंगीभूत महाविद्यालय सबहक शिक्षक गण आ कर्मी लोकनि कें पेंशन आ वेतन भुगतान के लेल वित्तीय वर्ष 2021-22 के महीना फरवरी तक के बजट सरकार द्वारा स्वीकृत कैल जा चुकल अछि. ओकर बादो ससमय पेंशन आ वेतन के भुगतान नहि भेनाइ शिक्षा विभाग आ विश्विद्यालय सबहक किछु पदाधिकारी लोकनिक लापरवाही के देखबैत अछि. जे कतहुँ सं न्यायोचित नहि अछि. चिट्ठी में ओ कहलन्हि जे अप्रैल 2017 सं प्रभावी पेंशनभोगी सबहक आ कार्यरत शिक्षकेत्तर कर्मचारी लोकनि कें सातम वेतन आयोग के पेंशनान्तर आ वेतनान्तर के लाभ एखनो धरि नहि भेट पाओल अछि. जखनकि करीब पांच वर्ष बीत गेला क बादो सातम वेतन आयोग के पेशनान्तर आ वेतनान्तर के लाभ सरकार द्वारा राशि स्वीकृत कैल गेला के बावजूद नहि भेटनाई बेस कष्टदायक आ हैरान कर’बला अछि .
ऐ कहलन्हि जे विगत सितंबरे महीना सं राज्य’क विश्वविद्यालय सब आ महाविद्यालय सब के शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी लोकनिक पेंशन आ वेतन नहि भेटला सँ कर्मि लोकनिक परिवार के बिना कुनो कारणेँ आर्थिक संकट के सामना कर पडि़ रहल छन्हि. नतीजा ई अछि जे बेसी पेंशनभोगी सबहक दवाई आ बच्चा लोकनिक पढ़ाई के संगहि संग रोजमर्रा के आवश्यक सामग्रि सबहक आपूर्ति सेहो बाधित भ गेल अछि. डा. बैजू, कुलाधिपति, मुख्यमंत्री आ शिक्षा मंत्री के चिट्ठी पठा के कार्यरत आ पेंशनभोगी शिक्षक गण आ कर्मचारी लोकनिक बदतर हाल पर सहानुभूति पूर्वक विचार करैत, तीन महीना के लंबित वेतन आ पेंशन के यथाशीघ्र भुगतान’क दिशा में कार्यवाही करबाक आग्रह कएलन्हि।