#MNN@24X7 मधुबनी, अभ्युदय साहित्यिक मंच ननौरक छठम साहित्यिक आयोजन कथा गोष्ठीक रूपमे राजकीय प्राथमिक कन्या विद्यालय ननौरक सभागारमे डॉक्टर विष्णुकांत मिश्रक अध्यक्षता आ अखिलेश कुमार झाक संचालनमे भेल।

मुख्य अतिथि काशीनाथ झा किरण आ विशिष्ट अतिथि अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक संस्थापक अध्यक्ष धनाकर ठाकुर छला। अजय कुमार दासक जे अपन सैह आन, हिरेन्द्र कुमार झाक हरवाह ,उमेश नारायण कल्पकविक बाप रे बाप,दयानन्द मिश्रक धूर्त मित्र अमरकांत लालक मोक्षक बनियौटी, अनुभव आनन्दक विज्ञानक दुरूपयोग, डा धनाकर ठाकुरक ट्रिपल विवाह आओर संस्कृतमे बलीयसी केवल ईश्वरमेच्छा,संजीव शमाक कोरोना, काशीनाथ झा किरणक जीवनक अवसान,डा विष्णुकांत मिश्रक चेथरू बाबू, आनन्द कुमार झाक छद्मवेष, अखिलेश कुमार झाक सुगन्धा,आशीष चमनक भविष्यं देहि, आदि कथा पढ़ल गेल जकर समीक्षा डॉक्टर कमल मोहन चुन्नू,, आशीष चमन,प्रदीप पुष्प, कल्पकवि उमेश नारायण कर्ण, डॉक्टर योगानंद झा, कमल नारायण झा,यतीन्द्र झा,शंकर नाथ ठाकुर,अनिल कुमार झा आदि केलनि। धन्यवाद ज्ञापन प्रो.देवेंद्र झा दीन केलनि।