दरभंगा, 03 नवंबर 2021 :- अपर जिला न्यायाधीश-सह- सचिव, जिला सेवा प्राधिकार, दरभंगा द्वारा आदेश निर्गत करैत कहल अछि जे बिहार राज्य विधिक सेवा प्राधिकार के निर्देशानुसार अखिल भारतीय जागरूकता आ गांधी जयंती के  14 नवम्बर 2021 तक दरभंगा जिला के शहरी, ग्रामीण, पिछड़ल आदि क्षेत्र सब में जरूरतमंद लोक सब गरीब/ असहाय आ आर्थिक रूप सं पिछड़ल कमजोर लोक सब के निःशुल्क विधिक सहायता देबा हेतु विधिक जागरूकता कार्यक्रम के संचालन अधोहस्ताक्षरी द्वारा निम्न तालिका के अनुरूप प्रखंड वार कैल जाएत।

ओ कहलनि जे प्रखंड के प्रखंड विकास पदाधिकारी, अंचलाधिकारी अपन स्तर सं एहि जागरूकता अभियान के संचालन करबा में सहयोग करी आ एकर व्यवस्था करबा के संगे-संग संबंधित प्रखंड के मुखिया, सरपंच, न्याय मित्र, पंच आ सचिव आदि कें अपन स्तर सं एहि कार्यक्रम में भाग लेबा हेतु सुनिश्चित कैल जाए। संग हि अपन क्षेत्र में एकर व्यापक प्रचार प्रसार करेनाई सुनिश्चित करी जाहि सं की बेसी सं बेसी लोक सब उपस्थित भ सकैथ आ पैन इंडिया के तहत चलाओल जाय बला जागरूकता अभियान के सफल बनाओल जा सकैल ऐछ।
जागरूकता अभियान हेतु प्रखंड वार तालिका  समय आ स्थान निम्नलिखित अछि।
07 नवंबर 2021 के प्रखंड कार्यालय केवटी परिसर में 11:30 बजे, सं विधिक जागरूकता कार्यक्रम के संचालन कैल जाएत।