दरभंगा ।आजुक दिन (06.12.2021) राष्ट्रीय सेवा योजना’क तत्वावधान में ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मुख्यालय स्थित भारत रत्न बाबा साहब डॉ. भीमराव अंबेडकर के 66वीं महापरिनिर्वाण दिवस पर भारतीय संविधान केर शिल्पकार सह जनक डॉ. भीमराव अंबेडकर के श्रद्धा सुमन अर्पित कैल गेल आ प्रतिमा पर पुष्पमाला अर्पित करैत माननीया प्रति कुलपति महोदया कहलन्हि

जे उन्नतशील समाज आ राष्ट्र केर परिकल्पना एकमात्रे लक्ष्य छल। बाबा साहब डॉ. भीमराव अंबेडकर अपन जीवन काल मे बहुतो रास मुश्किल सबहक सामना करैत समाज आ राष्ट्र’क लेल प्रेरणा’क स्रोत बनि गेलाह। हुनकर योगदान जाति धर्म समुदाय सं भिन्न, समाज आ राष्ट्र’क लेल समर्पित रहल। ओ अपन लेखनी क’ माध्यम सं आ वैज्ञानिक विचारधारा सबहक आधार पर भारतवर्ष के दुनिया’क शीर्ष देश’क रूप में स्थापित करबाक सपना देखैत छलाह। हम शिक्षक गण आ छात्र छात्रा लोकनि सं अनुरोध करैत छी जे हम सब केवल बाबा साहब के विचार’क अध्ययन अध्यापन मात्र नहि करी बल्कि ओकर अनुपालन दैनिक जीवन में सेहो करी। ओ विश्वविद्यालय स्थित पुस्तकालय में बाबा साहब द्वारा लिखित 22 खंड में प्रकाशित कृति के रखबाक आ ओकरा छात्र आ शिक्षण सब कें प्रेरणा लेबा पर सेहो जोर देलन्हि। ओ कहलनि जे बाबा साहब एकटा ऐहन व्यक्ति छलाह जिनकर निजी पुस्तकालय में 50,000 सं बेसी पुस्तक सब छल आ हुनकर लिखल हरेक आलेख वैज्ञानिक तथ्य सब पर आधारित छल आ एहि तथ्य’क आधार पर उन्नत राष्ट्र’क परिकल्पना के संग भारतवर्ष के शीर्ष पर सुशोभित देख चाहैत छलाह। बाबा साहब के महापरिनिर्वाण दिवस के अवसर पर विश्वविद्यालय के सबटा संकायाध्यक्ष, सबटा विभागाध्यक्ष, निदेशक, दूरस्थ शिक्षा निदेशालय, निदेशक, एपीजे अब्दुल कलाम महिला प्रौद्योगिकी संस्थान, सबटा पदाधिकारी राष्ट्रीय सेवा योजना के दुनू समन्वयक, सी. एम. कॉलेज, दरभंगा के प्रधानाचार्य आ मिल्लत कॉलेज के राष्ट्रीय सेवा योजना के कार्यक्रम पदाधिकारी, विश्वविद्यालय कर्मचारी संघ के अध्यक्ष आ शिक्षकेतर कर्मचारीगण आ राष्ट्रीय सेवा योजना के छात्र-छात्रा लोकनि अपन उपस्थिति दर्ज करेलनि।