दरभंगा। दिनांक 09.12.2021 के विश्वविद्यालय वाणिज्य आ व्यवसाय प्रशासन विभाग में वाणिज्य संकाय’क अध्यक्ष प्रोफेसर बी बी एल दास केर अध्यक्षता में एमबीए(सत्र 2021-23) के दीक्षारंभ समारोह केर आयोजन कैल गेल। आगत अतिथि सबहक स्वागत विभागाध्यक्ष सह निदेशक प्रोफेसर अजीत कुमार सिंह कएलन्हि। समारोह’क मुख्य अतिथि विश्वविद्यालय के माननीय कुलपति प्रोफेसर एस पी सिंह, विशिष्ट अतिथि प्रति कुलपति प्रोफेसर डॉली सिन्हा आ कुलसचिव डॉ मुस्ताक अहमद छलाह।
कुलपति प्रोफेसर एस पी सिंह छात्र लोकनि के सूचना, ज्ञान आ विवेक’क अवधारणा सं अवगत करौलनि। ओ छात्र गण कें व्यवहारिक जीवन में सफल हेबाक गुर सिखलनि। प्रति कुलपति प्रोफेसर डॉली सिन्हा छात्र लोकनि कें जीवन’क क्रमवार उद्देश्य आ मूल उद्देश्य सबहक प्रति सजग रहि के व्यवहारिक जीवन में सफल हेबाक आ कुशल प्रबंधक आ उद्यमी बनबाक सलाह देलन्हि। कुलसचिव मुस्ताक अहमद प्रबंधन’क महत्व के बुझबैत उधमिता विकास के बात कहलनि।
विभागाध्यक्ष सह निदेशक प्रोफेसर अजीत कुमार सिंह गुरु-शिष्य संबंध, विभागीय व्यवस्था आ प्रबंधन पाठ्यक्रम केर उपयोगिता’क चर्चा कएलन्हि। ओ ईहो कहलन्हि जे प्रबंध विभाग में 60 टा सीट अछि जाहि मे 47 पर नामांकन कैल जा चुकल अछि आ 13 टा पर और नामांकन कैल जएबाक अछि। रिक्त सीट सब पर नमांकन के लेल इच्छुक छात्र लोकनि के नामांकन के अवसर प्रदान कैल जयतन्हि। एहि हेतु नामांकन केर इच्छुक छात्र विश्वविद्यालय’क वेबसाइट www.lnmu.ac.in देखैत रहताह। अध्यक्षीय भाषण में प्रोफेसर बी बी एल दास विभाग के गौरवशाली इतिहास सं लोक सबकें परिचय करबैत छात्र छात्रा सबकेँ हुनकर उद्देश्य के दिस अग्रसर होयबाक लेल प्रेरित कएलन्हि। समारोह में सामाजिक संकाय’क अध्यक्ष प्रोफ़ेसर गोपी रमन सिंह, डब्ल्यू आई टी के निदेशक डॉ यू के दास, विद्वत परिषद के सदस्य डॉ एस एन चौधरी, प्रोफेसर एच के सिंह, डॉ आई डी प्रसाद, श्याम कुमार सब सेहो उपस्थित छलाह।
मंच केर संचालन डॉ आशीष कुमार आ धन्यवाद ज्ञापन डॉ संजय कुमार ठाकुर के द्वारा कैल गेल ।