दरभंगा एयरपोर्ट पर दू टा मेडिकल ऑफिसर के विशेष टीम’क संग कैल गेल तैनात। राज्य सरकार लेलक गंभीरता सं संज्ञान।
विदेश सं आब बला लोक सब रहताह 14 दिन तक क्वारंटाइन।

दरभंगा:- करोना के नव वैरिएंट ओमिक्रोन के ल’क दरभंगा हवाई अड्डे पर अलर्ट जारी क देल गेल अछि।हवाई अड्डे पर सुरक्षा के पूरा इंतजाम कैल जा रहल अछि। राज्य सरकार निर्देश देलक अछि जे विदेश सं आब बला लोक सबहक जांच हेतन्हि। संबंधित लोक सबकें 14 दिन तक क्वारंटाइन में रह पड़तन्हि। एयरपोर्ट पर दू टा मेडिकल ऑफिसर के विशेष टीम’क संग तैनात कैल गेल अछि।ओतहि जिला में सेहो स्वास्थ्य केंद्र सबहक प्रभारी लोकनि कें सेहो एहि संबंध में कई एकटा निर्देश देल गेल अछि।

ओतहि एयरपोर्ट पर तैनात मेडिकल ऑफिसर डॉ. एस एम आलम कहलनि जे राज्य सरकार आ जिलाधिकारी दरभंगा के निर्देश पर दू टा मेडिकल टीम के गठन कैल गेल अछि जे दूनू पालि में एयरपोर्ट पर तैनात कैल गेल अछि।जे बाहर सं आओल प्रत्येक लोक सबकें एनटीपीसीआर क’ हुनका बाहर जाइ देल जैत अछि। एखन धरि कोनो पोसेटिव नहि भेटल अछि।बाहर सं आब बला यात्री सब राज्य सरकार’क एहि डेग केर बड़ाई करैत कोरोना के रोकथाम’क लेल एकरा जरूरी कहलन्हि।

ओतहि दरभंगा के पूर्व सांसद सह पूर्व क्रिकेटर कीर्ति झा आज़ाद कहलन्हि हम एखने दिल्ली सं आबि रहल छी।हम कोविसिल्ड के दुनू टीके लगा चुकल छी।हम बाहर निकलिते देखलहुँ जे डॉक्टर के टीम पूरा मुस्तैदी के संग जाँच में लागल छथि एकटा भारतीय हुअ के नाते हमहुँ सेहो अपन जाँच करा लेलहुँ ।

एयर पोर्ट डायरेक्टर मनीष कुमार मोबाइल पर कहलनि जे कर्नाटक में भेटल दू टा मरीज के बाद, राज्य सरकार के निर्देश पर हम सब दरभंगा एयरपोर्ट पर बाहर सं आब बला लोक सबकें बिना जाँच करेने जेबा सं रोकबाक लेल सबटा व्यवस्था क’ देने अछि। जकर पालन कराओल जा रहल अछि।