दरभंगा 7 सितंबर 2021, मब्बी(दरभंगा)खाद’क लेल हाहाकर के बीच मब्बी में सैकड़ो टा किसान सब अखिल भारतीय किसान महासभा के बैनर अंतर्गत मब्बी में स्थित खाद’क गोदाम के सामने। खाद’क लेल अनिश्चितकालीन धरना शुरू क देलन्हि। धरना केर नेतृत्व अखिल भारतीय किसान महासभा के धर्मेश यादव, कोमलकांत यादव, विनोद सिंह, शत्रुध्न सिंह, रामकुमार यादव, विक्कू यादव, मो सग़ीर सहित बहुतो लोक सब कैलनि।

धरना स्थल पर रामकुमार यादव केर अध्यक्षता में आयोजित सभा के सम्बोधित करैत भाकपा(माले) क’ राज्य कमिटी सदस्य सह अखिल भारतीय किसान महासभा के जिला प्रभारी अभिषेक कुमार ने कहलन्हि जे एहि इलाका के किसान पिछला एक सप्ताह सं खाद’क लेल आबि रहल छथि आ वापस जा रहल छथि मुदा आश्वासन के बादो खाद नहि देल जा रहल अछि। खाद नहि देबा सं किसान लोकनि में आक्रोश छन्हि। किसान खाद’क सवाल पर एक भ’ किसान महासभा के बैनर अंतर्गत एनएच-57 के मब्बी पर जाम करबाक लेल बाध्य छथि। किसान महासभा के नेता धर्मेश यादव कहलन्हि जे पश्चमी इलाका क लेल साल में एक मात्र गहूंम रबी केर फसिले के खेती होईत अछि ओ’हो खाद’क अभाव में मुश्किल भ रहल अछि। आई चक्का जाम के माध्यमे किसान निर्णायक लड़ाई केर शुरूआत करताह । कोमलकांत यादव कहलन्हि जे दरभंगा’क किसान सबकेँ खाद देबाक बदला प्रशासन के मिलीभगत सं नेपाल पठाओल जा रहल अछि। ई नहि हुअए देब। किसान सब एहि मध्य खाद सं भरल तीन टा ट्रक के रोकने छलाह। धरना मे विनोद सिंह, कैलाश पासवान, संगीता देवी, बालचंद्र पासवान, उपेंद्र यादव सहित बहुतो लोक उपस्थित छलाह ।

दरभंगा सं,,,पत्रकार,,,राजू सिंह के रिपोर्ट।