मनीगाछी के प्रखंड कृषि पदाधिकारी भेलाह निलंबित

दरभंगा, 10 दिसम्बर – खाद आ बीया वितरण में अनियमितता के ल’के जिला प्रशासन अपन कार्रवाई तेज क’ देलक अछि।  जत कत्तौ सं अनियमितता केर सूचना भेट रहल अछि ,ओतहि तत्काल पदाधिकारी पठा जांच कराओल जा रहल अछि आ अनियमितता पाओल गेला पर तुरन्त प्राथमिकी दर्ज कराओल जा रहल अछि।
        जिला कृषि पदाधिकारी दरभंगा एहि संबंध में कहलन्हि जे एखन धरि बेनीपुर अनुमंडल के दू टा उर्वरक विक्रेता सब, सदर अनुमंडल के दू टा विक्रेता सबहक विरुद्ध ओतय के अनुमंडल पदाधिकारी द्वारा आ जिला कृषि पदाधिकारी के स्तर सं 7 टा उर्वरक विक्रेता सबहक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कराओल जा चुकल अछि। जाहिमे मैसर्स रज्जी खाद बीज भंडार,आशापुर, बेनीपुर, 2.मैसर्स सुल्तानिया ट्रेडर्स बेनीपुर,3. मैसर्स भजन भंडार कमतौल, जाले ,4. मैसर्स श्रेया इंटरप्राइजेज, केवटी अछि। बताओल गेल जे कमतौल में सेहो एकटा उर्वरक वितरक के एतय अनियमितता पाओल गेल अछि, जकर विरुद्ध कैल्ह 10 दिसंबर के प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल।
      जिला पदाधिकारी दरभंगा डॉक्टर त्यागराजन एस0एम0 ने कहलन्हि जे खाद आ बीया वितरण में यदि कतहुँ सं कोनो अनियमितता केर शिकायत भेटत , ओतहि तुरंत जांच करा के , अनियमितता भेट’ते संबंधित वितरक के विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज करबैत अनुज्ञप्ति रद्द कैल जाएत आ संबंधित के विरुद्ध कठोर सं कठोर कार्रवाई सेहो कैल जायत। संगहि ईहो कहलनि जे जाहि उर्वरक वितरण सबहक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि, ओहि सबहक लाइसेंस सेहो रद्द करबाक कार्रवाई कैल जा रहल अछि।
      ओ कहलन्हि जे मनीगाछी प्रखंड में बीया वितरण में अनियमितता केर सूचना प्राप्त भेल छल। अनुमंडल पदाधिकारी, बेनीपुर सं एकर जांच कराओल गेल आ मनीगाछी के कृषि समन्वयक -सह- प्रभारी प्रखंड कृषि पदाधिकारी संजय कुमार झा के कर्तव्य में लापरवाही आ शिथिलता के लेल हुनका 9 दिसंबर के तत्काल प्रभाव सं निलंबित क’ देल गेल अछि।
     ओ कहलन्हि जे जिला के सबटा अंचलाधिकारी आ प्रखंड के वरीय प्रभारी पदाधिकारी के अपन निगरानी में खाद आ बीया क वितरण करेबाक आदेश देल गेल अछि। खाद आ बीया के कालाबाजारी कोनो कीमत पर बर्दाश्त नहि कैल जायत। कतहु सं अनियमितता केर सूचना प्राप्त होईते त्वरित जांच कराके संबंधित सबहक विरुद्ध कठोर सं कठोर कार्रवाई कैल जायत।