दीपावली के शुभ पावनिक अवसर पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के खेल आ संस्कृति विभाग द्वारा डॉ नागेंद्र झा स्टेडियम के दीप सबहक द्वारा सजा के दीपोत्सव मनाओल गेल। खेल आ संस्कृति पदाधिकारी प्रोफेसर अजय नाथ झा जी कहलनि जे आजुक दिन पूरा देश दीप’क एहि पाबनि दीपावली के मना रहल अछि आ अपन जीवन’क अन्हार के मिटेबाक प्रयास क रहल छी।एहि दिशा में खेल आ संस्कृति विभाग सेहो अपन उज्जवल भविष्य के लेल डाॅ नागेंद्र झा स्टेडियम में स्थित कबड्डी कोर्ट के मईंट सँ बनल दीप सब के द्वारा प्रकाशमान कैल अछि एहिमे खेल आ संस्कृति विभाग के खिलाड़ी लोकनि बढ़ि -चढ़ि के हिस्सा लेलनि आ एहि दीपोत्सव के उल्लास’क संग मनेलनि ।हमरा विश्वास अछि जे हमर छात्र लोकनि द्वारा मनाओल गेल ई दीपोत्सव खेल आ संस्कृति विभाग में नवकीर्तिमान के स्थापित करत आ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के खेल आ संस्कृति विभाग के नाम देश में रोशन करत।

उप- खेल पदाधिकारी श्री अमृत झा जी दीपावली के शुभ अवसर पर सबटा खिलाड़ी लोकनि के लेल मंगलकामना सब करैत कहलनि जे अपना सबहक एकता एहि विश्वविद्यालय के एकटा नव बुलंदि पर ल’के जाएत।हम सबहक लेल मंगलकामना करैत छी। स्पोर्ट्स टेक्निकल एक्सपर्ट मनीष राज कहलनि जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के खेल आ संस्कृति विभाग निरंतर उन्नति क रहल अछि आ ओ दिन दूर नहि जे अपना सबहक खेल विभाग नै केवल देश बल्कि विश्व पटल पर सेहो अपन नाम रौशन करता।

एहि शुभ अवसर पर कबड्डी के प्रशिक्षक श्री अमित झा जी सबटा खिलाड़ी लोकनि कें मनोबल विकसित करैत कहलनि जे अपना सबहक कठिन परिश्रम एहि दीपे क’ तरहें जीवन में व्याप्त अन्हार के मेटा इजोत लाओत आ अपना सब अप्पन बुलंदी कें आसानी सं प्राप्त क पायब। एहि कार्यक्रम में सुमित झा , सुदर्शन कुमार, अजीत पंडित, के संगहि संग कबड्डी आ फुटबॉल के कई एकटा खिलाड़ी उपस्थित छलाह।
L.n.m.u.campus