• टीकाकरण के प्रति पसरल भ्रांति सब कें केलनि दूर
• टीकाकरण के लेल जिला में चलाओल जा रहल अछि व्यापक स्तर पर जागरूकता अभियान
• टीकाकरण अभियान में बाधक बनि रहल अछि भ्रांति सब
• 160 सं बेसी लोक सब लेलनि टीका

मधुबनी/9 नवंबर।वैश्विक महामारी कोरोनावायरस सं सुरक्षा प्रदान करबाक लेल जिला में कोविड टीकाकरण अभियान पूरा जोर-शोर सं चलाओल जा रहल अछि।ग्रामीण क्षेत्र सब में कोविड-19 टीकाकरण के प्रति पसरल भ्रांति सब केँ दूर करबाक लेल व्यापक स्तर पर जागरूकता अभियान सेहो चलाओल जा रहल अछि। एहि जागरूकता अभियान में अपन सहभागिता सुनिश्चित करैत सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा आ केयर इंडिया कें महेंद्र सिंह सोलंकी, मो.इस्मतुल्लाह उर्फ़ गुलाब मधेपुर प्रखंड के ढारा गाम में पहुंचलथि। आ सामुदायिक बैसक क लोक सब सं बात क’ कोविड टीकाकरण के लेल जागरूक कएलन्हि। सिविल सर्जन कहलनि कोविड टीका के प्रति एखन धरि लोक सबमें तरह-तरह के भ्रांति सब अछि। जाहि क्षेत्र सब में टीकाकरण के प्रति बेसी जागरूकता के कमी अछि ओहि क्षेत्र सब के चिन्हित क’ जागरूकता अभियान चलाओल जा रहल अछि। एहि अभियान में अंतर विभागीय समन्वय स्थापित क’ कैल जा रहल अछि। लोक सबसं बात करैत ओ कहलनि जे कोरोनावायरस सं सुरक्षा के लेल टीकाकरण करेनाइ अतिआवश्यक अछि। एकरा सं बचाव’क एकमात्र उपाय टीकाकरण करेनाइ अछि। ओ कहलनि जे अफवाह सब पर ध्यान नहि दी, स्वास्थ्य कर्मि सबहक बात के अमल करैत आ अपन लगीच टीकाकरण केंद्र पर जा’के टीकाकरण करा ली आ एहि में अपन सहभागिता के सुनिश्चित क समाज आ गाम के लोक सब के सुरक्षा प्रदान करबा में अपन बहुमूल्य योगदान दी।

भ्रम के केलनि दूर:

केयर इंडिया के डिटेल महेंद्र सिंह सोलंकी कहलनि एहि गाम के लोक सब के कियो भ्रामक खबरि पसारि देलक अछि जे गर्भवती महिला सब धात्री महिला सब, टीबी के मरीज, बीपी के मरीज, हृदय रोग से ग्रसित लोक सब आ आन रोग सब सं ग्रसित लोक सबकें कोविड-19 के टीका नहि लेबाक चाही। विगत किछु दिन सं यूनिसेफ के टीम आ मधेपुर स्वास्थ्य विभाग के टीम लगातार लोक सबकें टीकाकरण के लेल जागरूक क रहल छलथि। मुदा एकर कोनो प्रतिफल नजरि नहि आबि रहल छल अंततः मंगलदिन के सिविल सर्जन अपनहि पहुंच के लोक सब के जागरूक केलनि आ पहिल टीका सिविल सर्जन लाभार्थि के लगेलन्हि ओकर बाद 160 सं बेसी लोक सबकें टीकाकरण कैल गेल।

टीकाकरण के बाद भ सकैत अछि बोखार:

सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा कहलनि जे कोविड-19 के टीका पूरा तरहें सुरक्षित आ प्रभावी अछि।ओ कहलनि जे टीका लेबाक बाद हल्लुक बोखार वा दर्द भ सकैत अछि। ई टीका के दुष्प्रभाव नहीं बल्कि सकारात्मक प्रभाव अछि। एहि सं डरेबाक जरूरत नहि अछि,अगर बोखार होइत अछि तखन पेरासिटामोल टेबलेट के इस्तेमाल कैल जा सकैत अछि।सिविल सर्जन कहलनि जे ओ सेहो टीकाकरण टीम में शामिल कर्मी गण कें निर्देश देल गेल अछि जे लाभार्थि लोकनि कें टीका देला के बाद पेरासिटामोल सेहो देनाई सुनिश्चित करैथ।जाहि सं किनको बोखार होइन तखन ओ दबाई के इस्तेमाल क’ सकैथ।