दरभंगा, 02 दिसम्बर – जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम द्वारा आजुक दिन दरभंगा चिकित्सा महाविद्यालय सह अस्पताल(डीएमसीएच) के भ्रमण क’ डी.एम.सी.एच. के अधीक्षक, अपर समाहर्त्ता (राजस्व),भूमि सुधार उप समाहर्त्ता,सदर आ अंचलाधिकारी, सदर के संग अधीक्षक, डी.एम.सी.एच कार्यालय में बैसार क’ एम्स के लेल चयनित भूमि के पश्चात दरभंगा चिकित्सा महाविद्यालय सह अस्पताल के अवशेष भूमि आ जर्जर भवन सब बला भूमि के उपलब्ध कुल रकबा में सं डी.एम.सी.एच के नव भवन बनेबाक हेतु कतेक जमीन’क आवश्यकता होयत, के बिन्दु पर विस्तार सं समीक्षा कैल गेल।
एहि काज हेतु जिलाधिकारी द्वारा अंचलाधिकारी,सदर अंचल ,अमीन आ डी.एम.सी.एच अधीक्षक के स्पष्ट निर्देश देल गेल जे अवशेष उपलब्ध भूमि क’ स्थल आ रकबा के संपूर्ण ब्यौरा तैयार के जल्दी प्रस्तुत कैल जाए, जाहिसँ की आगामी 09 दिसम्बर के फेर समीक्षा बैसार कैल जा सकए।
02 Dec 2021