डीएम, तीनू एस.डी.ओ के खाद दोकान सब पर लगातार छापेमारी करबाक देलन्हि आदेश।

दरभंगा, 01 दिसम्बर –  लगातार जनप्रतिनिधि सब आ किसान लोकनि सं खाद के कालाबाजारी’क भेट बला सूचना के संज्ञान में लैत जिलाधिकारी, दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम, दरभंगा जिला के तीनू अनुमण्डल यथा – सदर, बेनीपुर आ बिरौल अनुमण्डल के अनुमण्डल पदाधिकारी आ प्रखण्ड कृषि पदाधिकारी सब के खाद दोकान सब पर लगातार छापामारी करबाक आ नियमित रूप सं खाद दोकान के जाँच करैत रहबाक आदेश जारी कैल गेल अछि।
     एकर आलोक में बेनीपुर अनुमण्डल में अनुमण्डल पदाधिकारी, बेनीपुर शम्भू नाथ झा द्वारा अनुमण्डल क्षेत्र के कई एकटा खाद’क दोकान के जाँच/छापेमारी कैल गेल।
      बेनीपुर अनुमण्डल क्षेत्र के आशापुर चौक स्थित दू अलग-अलग खाद’क दुकान यथा – सुल्तानिया खाद बीज भंडार आ रजी अहमद खाद बीज के दुकान में कालाबाजारी के संलिप्तता पाओल गेल। जाँच’क मध्य देखल गेल जे दोकान सबमे खाद’क कालाबाजारी कैल जा रहल अछि। उक्त दोकानदार’क स्टॉक रजिस्टर के मिलान केला पर अनियमितता के जानकारी भेटल। जाहि पर अनुमण्डल पदाधिकारी, बेनीपुर द्वारा ओहि खाद दुकानदार सबहक विरुद्ध बहेड़ा थाना में प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल।
       जिलाधिकारी द्वारा सबटा अनुमण्डल पदाधिकारी के खाद’क दोकान सबपर लगातार छापेमारी करैत रहबाक लेल कहलन्हि।