मधुबनी जिला स्तरीय तरंग प्रतियोगितामे बच्चा दाई आदर्श +2उच्च विद्यालयक नवम कक्षाक छात्र प्रियांशु कुमार झा क्रॉस वर्ड प्रतियोगितामे पहिल पुरस्कार प्राप्त केलनि आ वर्ग दशम केर छात्रा प्राची कुमारी निबंध प्रतियोगितामे दोसर स्थान प्राप्त केलनि।

हुनका लोकनिक सफलतासँ प्रसन्न भ’ प्रधानाध्यापक क़लीम अहमद हिनक उज्जवल भविष्यक कामना देलनि। एहि छात्र/छात्राकेँ पुरस्कृत भेलापर विद्यालय परिवार आ विद्यार्थी लोकनिक घर-परिवारमे हर्षोल्लासक वातावरण बनल अछि।