दरभंगा, 03 नवम्बर 2021 :-दीपावली/काली पूजा आ दवात पूजा के अवसर पर विधि व्यवस्था संधारित रखबाक हेतु जिला के सबटा संवेदनशील स्थल सब सहित 233 स्थलों पर दंडाधिकारी आ पुलिस बल की प्रतिनियुक्ति कैल गेल अछि।
जिलाधिकारी डॉ त्यागराजन एस.एम. आ वरीय पुलिस अधीक्षक श्री बाबूराम के द्वारा संयुक्त आदेश जारी करैत कहल गेल जे देश के विभिन्न क्षेत्र सब में बढ़ि रहल आतंकवादी गतिविधि सब आ जिला सब में पूर्व में घटित संप्रदायिक घटना सब आ हिंदू और मुस्लिम संप्रदाय के मिलल-जुलल आबादी के ध्यान में राखैत एहि पाबनिक अवसर पर विशेष निगरानी आ सतर्कता रखबाक आवश्यकता अछि ।
      एकरा संगे संग कोविड-19 संक्रमण के मद्देनजर केन्द्र/राज्य सरकार द्वारा जारी अद्यतन  दिशा-निर्देश के अनुसारे दीपावली/काली पूजा आ दवात पूजा के पाबनि मनाओल जाएत संगहि केन्द्र आ राज्य सरकार द्वारा जारी अद्यतन मानक संचालन प्रक्रिया केर शत-प्रतिशत अनुपालन कैल जेनाई अछि।
    उक्त के आलोक में जिलाधिकारी द्वारा दीपावली/काली पूजा आ दवात पूजा के अवसर पर कोविड-19 के संक्रमण के मद्देनजर केन्द्र/राज्य सरकार द्वारा जारी दिशा-निर्देश को सबटा संबंधित पदाधिकारी द्वारा शत-प्रतिशत अनुपालन सुनिश्चित करेबाक लेल कहल गेल अछि।
एतद् संबंधी निर्देश के अनुपालन करेबा आ उक्त पाबनि के अपन-अपन क्षेत्र में शांतिपूर्वक संपन्न कराबै लेल पहिले सबटा अनुमण्डल पदाधिकारी, अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी, प्रखण्ड विकास पदाधिकारी, अंचलाधिकारी आ थानाध्यक्ष के आवश्यक दिशा-निर्देश निर्गत कैल गेल अछि ।
     संगहि वर्ष 2006 सं विभिन्न प्रखण्डों में घटित संप्रदायिक विवाद के उल्लेख करैत, ओहेन स्थल सब पर विशेष निगरानी आ सतर्कता बरतबाक निर्देश संबंधित थाना के देल गेल अछि।
       ओ कहलनि जे एहि अवसर सब पर असामाजिक तत्व सबहक द्वारा धार्मिक संस्थान सब आ धार्मिक भावना सब के ठेस पहुँचाबै के प्रयास कैल जा सकैत अछि। संगहि एहि उद्देश्य सं सोशल मीडिया के सेहो प्रयोग कैल जा सकैत अछि, ताहि कारणें अफवाह पसारैबला तत्व सब, संस्था सब, असामाजिक तत्व सब आ गुंडा तत्व सब केर गतिविधियों पर कड़गर निगरानी राखल जाए आ यदि ककरो द्वारा एहि तरहक अफवाह पसारल जैत अछि, तखन त्वरित कार्रवाई कैल जाएत।
        सबटा थानाध्यक्ष,ओपी अध्यक्ष, पुलिस निरीक्षक आ अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी के निर्देश देल गेल अछि जे अपन-अपन क्षेत्र’क अन्तर्गत उक्त पाबनि’क अवसर पर विधि-व्यवस्था बना क रखबाक हेतु उपयुक्त निरोधात्मक कार्रवाई के अनुपालन सख्ती से करेनाइ सुनिश्चित करताह।
      दीपावली काली पूजा आ दवात पूजा के अवसर पर समाहरणालय में जिला नियंत्रण कक्ष के स्थापना कैल गेल अछि, जकर दूरभाष नम्बर – 06272-240600 अछि। एकरा अतिरिक्त सदर अनुमण्डल के लेल अनुमण्डल पदाधिकारी, सदर/अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी, सदर के, बिरौल अनुमण्डल के लेल अनुमण्डल पदाधिकारी, बिरौल/अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी, बिरौल के आ बेनीपुर अनुमण्डल के लेल अनुमण्डल पदाधिकारी, बेनीपुर/अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी, बेनीपुर के आ कमतौल अंचल के लेल कार्यपालक दण्डाधिकारी/ पुलिस उपाधीक्षक (यातायात), दरभंगा के विधि-व्यवस्था संधारित करबाक लेल संम्पूर्ण प्रभार प्रदान कैल गेल अछि आ अपन दिशा-निर्देशन में प्रतिनियुक्ति करैत सुरक्षा व्यवस्था, विधि-व्यवस्था बनाकए राखैत पाबनि के सौहार्द्रपूर्ण आ शांतिपूर्ण संपन्न कराबै हेतु आवश्यक कार्रवाई सुनिश्चित करताह।
प्रतिनियुक्त सबटा दण्डाधिकारी आ पुलिस बल के अपन प्रतिनियुक्ति स्थल पर भ्रमणशील रैह के विधि-व्यवस्था संधारण करबाक निर्देश देल गेल अछि। एकरा अतिरिक्त सबटा थाना/ओ.पी. आ गश्ती दल के भ्रमणशील रैह के विधि-व्यवस्था संधारित करबाक निर्देश देल गेल अछि।
एकरा संगहि अपर समाहर्त्ता विभूति रंजन चौधरी आ नगर पुलिस अधीक्षक अशोक कुमार प्रसाद विधि व्यवस्था के वरीय प्रभार में रहताह।ओ संबंधित अनुमंडल पदाधिकारी/अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी सं अनुश्रवण आ समन्वय क’ उक्त पाबनि के शांतिपूर्ण ढंग सं संपन्न करेनाइ सुनिश्चित करताह।