नालंदा खुला विश्वविद्यालय, पटना के कुलसचिव डॉ घनश्याम राय शुक्रदिन महरानी कल्याणी महाविद्यालय, लहेरियासराय, दरभंगा में पहिले सं स्थापित नालंदा खुला विश्वविद्यालय के अध्ययन केंद्र केर निरीक्षण कएलन्हि।

एहि अवसर पर प्रधानाचार्य डॉ जयसवाल,सहायक समन्वयक डॉ परवेज आ आनो शिक्षकगण उपस्थित छलाह। कुलसचिव सत्र 2021-22 के लेल चलि रहल ऑनलाइन/ऑफलाइन नामांकन के लेल सत्तर टा प्रोसपेक्टस उपलब्ध करौलनि।