#MNN@24X7 आकाशवाणी पटनाक चर्चित उद्घोषक एवं चौपाल कार्यक्रममे बटुक भाईक जीवंत भूमिका निमाहैत ‘बटुक भाई’ उपनाम सँ प्रसिद्ध मनीगाछी प्रखंडक चनौर ग्रामवासी छत्रानन्द सिंह झाक शुक्रकेँ पटनामे निधन भ’ गेलनि। 77 वर्षक आयु में अंतिम सांस लेनिहार छत्रानंद सिंह झा लम्बा समयसँ बीमार चलि रहल छला। हुनक निधनक खबरि एलापर विद्यापति सेवा संस्थान शुक्रकेँ शोक जतौलक।

संस्थानक महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू अपन शोकसंदेशमे हुनका मिलनसार स्वभाव वाला मिथिला-मैथिलीक विकासक सुच्चा हितैषी बतौलनि। ओ कहलनि जे आकाशवाणीमे अपन उपलब्धिपूर्ण सेवा द’ चुकल छत्रानंद सिंह झा बहुगुण संपन्न व्यक्तित्व छला। ओ उत्कृष्ट नाटककार होएबाक संग संग नाट्य कलामे विशेष रूपसँ लोकप्रिय छला। अपन कृतित्व आ व्यक्तित्वक लेल ओ सामान्य मिथिलावासीक हृदय आ मस्तिष्कमे सदिखन जीवंत बनल रहता।

मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष कमलाकांत झा हुनका मिथिला -मैथिलीक विकासक लेल सतत चिंतनशील रहनिहार हितचिंतक बतौलनि। डॉक्टर बुचरू पासवान हुनका युगद्रष्टा आ त्यागी पुरुष बतबैत कहलनि जे मिथिलाक पारंपरिक कलाक विकास हुनक जीवनक एकमात्र लक्ष्य छलनि। प्रो.जीवकांत मिश्र हुनका मिथिला- मैथिलीक हितचिंतक बतबैत मिथिलामे नाट्य कलाक विकासमे हुनक भूमिकाकेँ महत्वपूर्ण बतौलनि।

वरिष्ठ मैथिली सेवी मणिकांत झा कहलनि जे मैथिली साहित्य, कला आ संस्कृतिकेर विकासमे अपन सम्पूर्ण जीवन समर्पित केनिहार बटुक भाई मैथिलीक नाट्य साहित्यक पारंपरिक गुणवत्ताकेँ आजीवन जीवंत बनौने रखलनि।

मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा कहलनि जे भंगिमाक स्थापनाक संगहि संग मिथिलाक साहित्यिक एवं सांस्कृतिक विकासकेँ ल’ क’ वैचारिक क्रांति अननिहार रंगकर्मीक रूपमे ओ सदैव याद कएल जेताह। डॉ महेंद्र नारायण राम हुनका विभिन्न भूमिकामे जीवंत रहय वाला संवेदनशील मानव बतौलनि।

संवेदना व्यक्त कर बला आन लोक सभमे हीरा कुमार झा, हरिश्चंद्र हरित, डॉ गणेश कांत झा, विनोद कुमार झा, प्रो विजयकांत झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढा भाई, डॉ उदय कांत मिश्र, डॉ महानंद ठाकुर, विनोद कुमार, दुर्गानंद झा, आशीष चौधरी, नवल किशोर झा,अखिलेश कुमार झा सब शामिल छलाह।